मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निधन
57 मिनट पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुनकर निधनसँ मैथिली साहित्य क्षेत्रमे अपूरणीय क्षति भेल अछि । ८३ वर्षक उमेरमे डा. लालक निधन जनकपुरधामस्थित रामजानकी अस्पतालमे भादब २० गते साँझ करीब ५ः३० बजे भेल पारिवारिक स्रोतले जानकारी देलक अछि । स्वर्गीय डा. लाल जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–११ स्थित अपन निवासमे रहैत छलाह। हुनकर जन्म २ मार्च १९४३ ईस्वीमे धनुषाक साबिक देवडिहा गाविस–३, खिरखिरिया गाममे भेल छलनि। मैथिली विषयमे पीएच.डी. उपाधि प्राप्त कएने डा. लाल नेपाल राष्ट्र बैंकक सेवासँ अवकाश प्राप्त कर्मचारी छलाह ।
मैथिली साहित्यक विभिन्न विधामे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि । कथा, कविता, गीत, लेख, पटकथा, साक्षात्कार, यात्रा वृत्तान्त तथा लोकसाहित्यलगायतक विधामे हुनक कलम सक्रिय रहल । हुनकर पहिल प्रकाशित मैथिली रचना ‘सरस्वती वन्दना’ गीत सन् १९६० मे प्रकाशित भेल छल । हुनकर प्रमुख मैथिली कृतिमे ‘साक्षात्कार’ (साहित्यकारसभक अन्तरवार्ता), ‘माधव नहि अएला मधुपुरसँ’ (कथा संग्रह), ‘हमर विदेश भ्रमण’ (यात्रा वृत्तान्त), ‘महाकवि विद्यापति’ (पटकथा) आ ‘खिस्सा पिहानी’ (लोककथा) उल्लेखनीय अछि । एहिक अतिरिक्त ‘धनुषाधाम और मणिमण्डप’ पर्यटनसम्बन्धी कृति सेहो प्रकाशित अछि ।
ओ मिथिलाक गौरवमय ईतिहासक पैघ स्तम्भ विद्यापति सिरियलके रचयिता सेहो छलाह । ओ मैथिली त्रैमासिक ‘नैमिकानन’क सम्पादकक रूपमे सेहो योगदान देने छलाह। हुनकर कतेको रचना विद्यालय आ महाविद्यालयक पाठ्यक्रममे समावेश अछि । डा. लाल मैथिली साहित्यसँ जुड़ल विभिन्न संस्थामे महत्वपूर्ण भूमिकामे रहलाह। ओ विविधा मैथिली मञ्चक संस्थापक सचिव, मैथिली साहित्य परिषद्क सदस्य,मैथिली साहित्य समाजक अभिभावक तथा मैथिली साहित्यकार सभाक सलाहकार छलाह।
साहित्य क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदानक लेल हुनका वैदेही प्रतिभा पुरस्कार, त्रिमूर्ति पुरस्कार, मिथिला रत्न, ज्योतिरीश्वर साहित्य सम्मान, नेपाल सरकारक प्रादेशिक प्रतिभा पुरस्कार तथा नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा–साहित्य पुरस्कार (मैथिलीक नोबेल प्राइज) सहित अनेक सम्मान प्राप्त भेल छल। पारिवारिक स्रोतक अनुसार हुनकर पार्थिव शरीरक अन्त्येष्टि आइ ११ बजेबाद जनकपुरधामस्थित स्वर्गद्वारमे कएल जाएत। हुनकर निधनपर मैथिली साहित्यकार, स्रष्टा तथा साहित्यप्रेमीसभमे गहिर शोकक लहर अछि।
मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निध..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुन..
57 मिनट पहिले
मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निध..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुन..
57 मिनट पहिले
इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे प्रणव प्रशान्त झ..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । बीरगञ्जमे काल्हि सम्पन्न इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे धनुषाक मुखियापट्टी मु..
2 घन्टा पहिले
सतकबीर रसिक जीक आयोजनामे १५१म मासिक कविगोष्ठी जनकपुरमे ..
जनकपुरधाम, २० भदौ । विगत एक सय ५१ महिना सँ अनवरत रुपमे संचालित मासिक कवि गोष्ठी शनिदिन सेहो जनकपुरधाममे सम्पन्न भे..
11 घन्टा पहिले
नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्र सिरसियालाई ल्यापटप हस्तान्..
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । प्रादेशिक आयुर्वेद तथा वैकल्पिक चिकित्सालय, मुजेलिया धनुषाले नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्..
3 दिन पहिले
धनुषामा १०७ किलोभन्दा बढी गाँजा बरामद
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाले १०७ किलोभन्दा बढी लागुऔषध गाँजा बरामद गरेको छ। आज बिहीबा..

सोनापारामा लवकुश मन्दिरमा भोली प्राण–प्रतिष्ठान हुने
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–२४, सोनापारामा निर्माणाधीन लवकुश मन्दिरको प्राण–प्रतिष्ठ..
3 दिन पहिले
जनप्रतिनिधि प्रदिप चौधरीक सहयोगसँ महिलाके भेटल नेपाली ..
जनकपुरधाम, भादब १७ गते ।धनुषाक नगराइन नगरपालिका–२ जटहीक एक महिला लम्बा समयक प्रयासक बाद नेपाली नागरिकताक प्रमा..
4 दिन पहिले
नगराईनमा दर्ता बिनाका औषधि पसलमा अनुगमन, दुई मेडिकल हलमा..
नगराइन, ९ भदौ । औषधि व्यवस्था विभाग, स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय अन्तर्गत वीरगञ्ज कार्यालयले आज धनुषा..
11 दिन पहिले