मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निधन

2 महीना पहिले प्रकाशित

Smrititimes

जनकपुरधाम
२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुनकर निधनसँ मैथिली साहित्य क्षेत्रमे अपूरणीय क्षति भेल अछि । ८३ वर्षक उमेरमे डा. लालक निधन जनकपुरधामस्थित रामजानकी अस्पतालमे भादब २० गते साँझ करीब ५ः३० बजे भेल पारिवारिक स्रोतले जानकारी देलक अछि । स्वर्गीय डा. लाल जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–११ स्थित अपन निवासमे रहैत छलाह। हुनकर जन्म २ मार्च १९४३ ईस्वीमे धनुषाक साबिक देवडिहा गाविस–३, खिरखिरिया गाममे भेल छलनि। मैथिली विषयमे पीएच.डी. उपाधि प्राप्त कएने डा. लाल नेपाल राष्ट्र बैंकक सेवासँ अवकाश प्राप्त कर्मचारी छलाह ।

मैथिली साहित्यक विभिन्न विधामे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि । कथा, कविता, गीत, लेख, पटकथा, साक्षात्कार, यात्रा वृत्तान्त तथा लोकसाहित्यलगायतक विधामे हुनक कलम सक्रिय रहल । हुनकर पहिल प्रकाशित मैथिली रचना ‘सरस्वती वन्दना’ गीत सन् १९६० मे प्रकाशित भेल छल । हुनकर प्रमुख मैथिली कृतिमे ‘साक्षात्कार’ (साहित्यकारसभक अन्तरवार्ता), ‘माधव नहि अएला मधुपुरसँ’ (कथा संग्रह), ‘हमर विदेश भ्रमण’ (यात्रा वृत्तान्त), ‘महाकवि विद्यापति’ (पटकथा) आ ‘खिस्सा पिहानी’ (लोककथा) उल्लेखनीय अछि । एहिक अतिरिक्त ‘धनुषाधाम और मणिमण्डप’ पर्यटनसम्बन्धी कृति सेहो प्रकाशित अछि ।

ओ मिथिलाक गौरवमय ईतिहासक पैघ स्तम्भ विद्यापति सिरियलके रचयिता सेहो छलाह । ओ मैथिली त्रैमासिक ‘नैमिकानन’क सम्पादकक रूपमे सेहो योगदान देने छलाह। हुनकर कतेको रचना विद्यालय आ महाविद्यालयक पाठ्यक्रममे समावेश अछि । डा. लाल मैथिली साहित्यसँ जुड़ल विभिन्न संस्थामे महत्वपूर्ण भूमिकामे रहलाह। ओ विविधा मैथिली मञ्चक संस्थापक सचिव, मैथिली साहित्य परिषद्क सदस्य,मैथिली साहित्य समाजक अभिभावक तथा मैथिली साहित्यकार सभाक सलाहकार छलाह।
        साहित्य क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदानक लेल हुनका वैदेही प्रतिभा पुरस्कार, त्रिमूर्ति पुरस्कार, मिथिला रत्न, ज्योतिरीश्वर साहित्य सम्मान, नेपाल सरकारक प्रादेशिक प्रतिभा पुरस्कार तथा नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा–साहित्य पुरस्कार (मैथिलीक नोबेल प्राइज) सहित अनेक सम्मान प्राप्त भेल छल। पारिवारिक स्रोतक अनुसार हुनकर पार्थिव शरीरक अन्त्येष्टि आइ ११ बजेबाद जनकपुरधामस्थित स्वर्गद्वारमे कएल जाएत। हुनकर निधनपर मैथिली साहित्यकार, स्रष्टा तथा साहित्यप्रेमीसभमे गहिर शोकक लहर अछि।

12 comments
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

10 दिन पहिले

जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

10 दिन पहिले

नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..

जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..

11 दिन पहिले

ग्रामीण महिला किसानको सशक्तीकरण र सम्मान बढाउन जोड

जनकपुरधामअसोज २६ गते । मधेश प्रदेशमा ग्रामीण महिला किसानको आर्थिक सशक्तीकरण, नेतृत्व विकास, जलवायु उत्थानशील कृà..

11 दिन पहिले

रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..

12 दिन पहिले

एम्नेस्टी इन्टरनेशनल जनकपुरधामको बैठक सम्पन्न, मानव अधà¤..

जनकपुरधाम, असोज २६ गते । एम्नेस्टी इन्टरनेशनल नेपाल, जनकपुरधाम युवा समूह–५७ को बैठक विभिन्न महत्वपूर्ण निर्णय à¤..

जानकी महिला जागरण समाजद्वारा ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासà¤..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । जानकी महिला जागरण समाजले ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासमा आश्रय लिइरहेका हिंसा प्रभावित महिलà..

12 दिन पहिले