भारत–नेपाल सीमा पर ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बरामद, एक तस्कर गिरफ्तार
2 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
भदौँ २३ गते । भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करीक विरुद्ध कार्रवाई करैत ४८वीं वाहिनी सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी), जयनगरक ‘बी’ कम्पनी हरिणे सीमा चौकी खौनाक जवान सभ ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बरामद कय एक तस्कर केँ गिरफ्तार कयलनि। एहि क्रममे तस्करीमे प्रयुक्त एकटा हीरो ग्लैमर मोटरसाइकिल सेहो जब्त कयल गेल। जानकारीक अनुसार, ७ सितम्बर २०२६ केँ करीब ९ः१५ बजे सीमा चौकीक गुप्तचर स्रोत सँ भेटल सूचनाक आधार पर विशेष पेट्रोलिंग दल गठित कयल गेल। दल केँ सीमा स्तम्भ संख्या २७९ सँ करीब एक किलोमीटर भीतर भारतीय क्षेत्रक ग्राम करुणा लग पठाओल गेल, जतय जवान सभ निगरानीमे तैनात भेलनि। करीब ९ः४३ बजे पेट्रोलिंग दल नेपाल दिस सँ एक व्यक्ति केँ मोटरसाइकिल पर बोरा बाँधि भारतीय क्षेत्रमे प्रवेश करैत देखलक। जवान सभ ओकरा रुकबाक संकेत देलनि। सुरक्षा बल केँ देखिते मोटरसाइकिल सवार घबरा गेल आ बाइक गिरा कऽ भागबाक प्रयास केलक। मुदा जवान सभ तत्परता देखबैत ओकर पीछा कय पकडÞि लेलनि। तलाशी लेल गेलापर मोटरसाइकिल पर बन्हल बोरा आ डिक्की सँ २९८ बोतल नेपाली सोफी (प्रत्येक ३०० मिलीलीटर), ५ बोतल अंग्रेजी शराब (प्रत्येक ३७५ मिलीलीटर) आ १५ बोतल अंग्रेजी शराब (प्रत्येक १८० मिलीलीटर) बरामद भेल। बरामद शराबक कुल मात्रा ९३.९७५ लीटर बताओल गेल अछि।
गिरफ्तार तस्करक पहचान मिथिलेश राम (३० वर्ष), पिता स्वर्गीय राम सकल राम, ग्राम एवं डाकघर कटैया, थाना बसोपट्टी, जिला मधुबनी, बिहार निवासीक रूपमे भेल अछि। पूछताछमे ओकरा द्वारा बताओल गेल जे नेपाली शराब ओकरा नेपाल निवासी विकास कुमार सँ प्राप्त भेल छल आ ओ भारतमे बिक्री करबाक उद्देश्य सँ शराब अनैत छल। एसएसबी द्वारा शराब, तस्करीमे प्रयुक्त मोटरसाइकिल आ गिरफ्तार अभियुक्तक आवश्यक जब्ती एवं गिरफ्तारी सूची तैयार कऽ अग्रिम कानूनी कार्रवाई लेल थाना हरलाखी, जिला मधुबनी केँ सुपुर्द करबाक प्रक्रिया कयल जा रहल अछि। एहि संबंधमे ४८वीं वाहिनी एसएसबी, जयनगरक कमांडेंट कहलनि जे भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करी रोकबाक लेल एसएसबी द्वारा लगातार प्रभावी कार्रवाई कयल जा रहल अछि। आसूचनाक आधार पर भेल ई कार्रवाई जवान सभक सतर्कता, तत्परता आ मजबूत आसूचना तंत्रक परिणाम अछि। सीमा क्षेत्रमे अवैध गतिविधि पर रोक लगाबय लेल एसएसबी पूर्ण मुस्तैदी सँ कार्यरत अछि आ तस्करीमे संलिप्त लोक सभक विरुद्ध कठोर कार्रवाई आगू सेहो जारी रहत ।सीमा पर अवैध शराबक तस्करी रोकबाक लेल एसएसबीक अभियान निरंतर जारी अछि।
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..
जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..
10 दिन पहिले
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..
जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..
10 दिन पहिले
नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..
जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..
11 दिन पहिले
ग्रामीण महिला किसानको सशक्तीकरण र सम्मान बढाउन जोड
जनकपुरधामअसोज २६ गते । मधेश प्रदेशमा ग्रामीण महिला किसानको आर्थिक सशक्तीकरण, नेतृत्व विकास, जलवायु उत्थानशील कृà..
11 दिन पहिले
रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..
जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..
12 दिन पहिले
एम्नेस्टी इन्टरनेशनल जनकपुरधामको बैठक सम्पन्न, मानव अधà¤..
जनकपुरधाम, असोज २६ गते । एम्नेस्टी इन्टरनेशनल नेपाल, जनकपुरधाम युवा समूह–५७ को बैठक विभिन्न महत्वपूर्ण निर्णय à¤..

जानकी महिला जागरण समाजद्वारा ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासà¤..
जनकपुरधाम असोज २६ गते । जानकी महिला जागरण समाजले ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासमा आश्रय लिइरहेका हिंसा प्रभावित महिलà..
12 दिन पहिले