भारत–नेपाल सीमा पर ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बरामद, एक तस्कर गिरफ्तार
1 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
भदौँ २३ गते । भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करीक विरुद्ध कार्रवाई करैत ४८वीं वाहिनी सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी), जयनगरक ‘बी’ कम्पनी हरिणे सीमा चौकी खौनाक जवान सभ ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बरामद कय एक तस्कर केँ गिरफ्तार कयलनि। एहि क्रममे तस्करीमे प्रयुक्त एकटा हीरो ग्लैमर मोटरसाइकिल सेहो जब्त कयल गेल। जानकारीक अनुसार, ७ सितम्बर २०२६ केँ करीब ९ः१५ बजे सीमा चौकीक गुप्तचर स्रोत सँ भेटल सूचनाक आधार पर विशेष पेट्रोलिंग दल गठित कयल गेल। दल केँ सीमा स्तम्भ संख्या २७९ सँ करीब एक किलोमीटर भीतर भारतीय क्षेत्रक ग्राम करुणा लग पठाओल गेल, जतय जवान सभ निगरानीमे तैनात भेलनि। करीब ९ः४३ बजे पेट्रोलिंग दल नेपाल दिस सँ एक व्यक्ति केँ मोटरसाइकिल पर बोरा बाँधि भारतीय क्षेत्रमे प्रवेश करैत देखलक। जवान सभ ओकरा रुकबाक संकेत देलनि। सुरक्षा बल केँ देखिते मोटरसाइकिल सवार घबरा गेल आ बाइक गिरा कऽ भागबाक प्रयास केलक। मुदा जवान सभ तत्परता देखबैत ओकर पीछा कय पकडÞि लेलनि। तलाशी लेल गेलापर मोटरसाइकिल पर बन्हल बोरा आ डिक्की सँ २९८ बोतल नेपाली सोफी (प्रत्येक ३०० मिलीलीटर), ५ बोतल अंग्रेजी शराब (प्रत्येक ३७५ मिलीलीटर) आ १५ बोतल अंग्रेजी शराब (प्रत्येक १८० मिलीलीटर) बरामद भेल। बरामद शराबक कुल मात्रा ९३.९७५ लीटर बताओल गेल अछि।
गिरफ्तार तस्करक पहचान मिथिलेश राम (३० वर्ष), पिता स्वर्गीय राम सकल राम, ग्राम एवं डाकघर कटैया, थाना बसोपट्टी, जिला मधुबनी, बिहार निवासीक रूपमे भेल अछि। पूछताछमे ओकरा द्वारा बताओल गेल जे नेपाली शराब ओकरा नेपाल निवासी विकास कुमार सँ प्राप्त भेल छल आ ओ भारतमे बिक्री करबाक उद्देश्य सँ शराब अनैत छल। एसएसबी द्वारा शराब, तस्करीमे प्रयुक्त मोटरसाइकिल आ गिरफ्तार अभियुक्तक आवश्यक जब्ती एवं गिरफ्तारी सूची तैयार कऽ अग्रिम कानूनी कार्रवाई लेल थाना हरलाखी, जिला मधुबनी केँ सुपुर्द करबाक प्रक्रिया कयल जा रहल अछि। एहि संबंधमे ४८वीं वाहिनी एसएसबी, जयनगरक कमांडेंट कहलनि जे भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करी रोकबाक लेल एसएसबी द्वारा लगातार प्रभावी कार्रवाई कयल जा रहल अछि। आसूचनाक आधार पर भेल ई कार्रवाई जवान सभक सतर्कता, तत्परता आ मजबूत आसूचना तंत्रक परिणाम अछि। सीमा क्षेत्रमे अवैध गतिविधि पर रोक लगाबय लेल एसएसबी पूर्ण मुस्तैदी सँ कार्यरत अछि आ तस्करीमे संलिप्त लोक सभक विरुद्ध कठोर कार्रवाई आगू सेहो जारी रहत ।सीमा पर अवैध शराबक तस्करी रोकबाक लेल एसएसबीक अभियान निरंतर जारी अछि।
भारत–नेपाल सीमा पर ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बर..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करीक विरुद्ध कार्रवाई करैत ४८वीं वाहिनी सशस्त्र सीमा ..
1 घन्टा पहिले
भारत–नेपाल सीमा पर ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बर..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करीक विरुद्ध कार्रवाई करैत ४८वीं वाहिनी सशस्त्र सीमा ..
1 घन्टा पहिले
मानव तस्करीको आशंका विफल, १३ वर्षीया बालिकासहित दुई युवत..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी)ले मानव तस्करीको आशंकामा भारतबाट नेपालतर्फ लैजाँदै गरिएका १३ वर्..
1 घन्टा पहिले
जनकपुरधामका निजी विद्यालय र क्याम्पसमा दुई दिन बिदा
जनकपुरधाम, २१ भदौ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१ स्थित मिसन सेकेन्ड्री स्कुलका सञ्चालक विक्रम मण्डलको असामयिक ..
2 दिन पहिले
भोटेकोशी बाढी प्रभावित क्षेत्रमा प्रभावकारी उद्धारदेख..
काठमाडौं, २१ भदौ । उपभोक्ता हित संरक्षण मञ्च नेपालले भोटेकोशी नदीमा आएको अप्रत्याशित बाढीबाट प्रभावित रसुवा, नुव..
2 दिन पहिले
मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निध..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुन..

इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे प्रणव प्रशान्त झ..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । बीरगञ्जमे काल्हि सम्पन्न इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे धनुषाक मुखियापट्टी मु..
2 दिन पहिले
नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्र सिरसियालाई ल्यापटप हस्तान्..
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । प्रादेशिक आयुर्वेद तथा वैकल्पिक चिकित्सालय, मुजेलिया धनुषाले नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्..
5 दिन पहिले

सोनापारामा लवकुश मन्दिरमा भोली प्राण–प्रतिष्ठान हुने
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–२४, सोनापारामा निर्माणाधीन लवकुश मन्दिरको प्राण–प्रतिष्ठ..
मैथिली साहित्यक दिग्गज साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक निध..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । मैथिली साहित्य जगतक वरिष्ठ साहित्यकार, लेखक तथा चिन्तक डा. रेवतीरमण लालक निधन भेल अछि । हुन..