जनकपुरधाम, पुस २६ गते । धनुषा जिलाक मिथिला नगरपालिका–२ सुकजोरस्थित सन्त रामपाल आश्रमक आगे झड़प भेल अछि । भारतीय धर्म गुरु सन्त रामपालक अनुयायी आ स्थानीय बासिन्दाक बीच ऐलानी जमीन अतिक्रमणक विषयकेँ लऽ कए झड़प भेल अछि ।
स्थिति नियन्त्रण करबाक लेल प्रहरीले सात सेल अश्रुगैस प्रहार कएने अछि, ई जानकारी इलाका प्रहरी कार्यालय सखुवा महेन्द्रनगरक प्रहरी निरीक्षक राजाराम यादव देलनि अछि ।
ओ हुनकर अनुसार, झड़पक क्रममेँ स्थानीय पक्षक अहिलेसम्म आठ गोटे घायल भेलाक सूचना आएल अछि ।
स्थानीय लोकनि ओहि क्रममेँ जनकपुर–ढल्के सड़क अवरुद्ध कएने छल । सखुवा महेन्द्रनगरस्थित औरही पुलपर स्थानीय लोकनि एकटा एम्बुलेन्समेँ तोड़फोड़ सेहो कएने छल । अहिले अवस्था धीरे–धीरे सामान्य होइत जा रहल अछि, प्रहरी निरीक्षक यादवक कथन अछि ।