विवादित सतलोक आश्रमक गतिविधिपर रोक

1 घन्टा पहिले प्रकाशित

Smrititimes

जनकपुरधाम, माघ ३ गते ।

धनुषाक मिथिला नगरपालिका–२ मे रहल सतलोक आश्रमक गतिविधिपर नगरपालिकाले रोक लगा देलक अछि। हालिया समयमे विवादित बनल पूर्णब्रह्म कबीर उपासक समाज नेपाल (सतलोक आश्रम) द्वारा सञ्चालित गतिविधिसभकेँ कानून विपरीत ठहर कए नगरपालिकाले तत्काल रोक लगेनाय निर्देश देलक अछि।

मिथिला नगरपालिकाक प्रमुख महेन्द्र महतो जानकारी देत कहलनि जे कानून विपरीत रूपे आश्रम द्वारा अनधिकृत संरचना निर्माण सहित विभिन्न गतिविधि कएल जा रहल छल। स्थानीय सरकार सञ्चालन ऐन, २०७४ अनुसार नक्सा पास बिना भवन निर्माण करनाय गैरकानूनी अछि आ गैरसरकारी संस्थासभकेँ नगरपालिकासँ अनुमति लऽ कए मात्र गतिविधि करबाक व्यवस्था अछि।

नगरप्रमुख महतो कहलनि, “कानूनी प्रावधानक उल्लंघन भेल अछि एहन व्यापक जनगुनासो प्राप्त भेलाक बाद ई गतिविधि यथाशीघ्र रोकबाक अनुरोध कएल गेल अछि।”

एलानी जमीन कब्जा कए आश्रम बनौने आरोपमे गत पुस २६ गते पूर्वनिर्धारित समय अनुसार नापजाँच करबाक क्रममे स्थानीय बासिन्दा आ आश्रमक अनुयायीसँ झडप भेल छल। झडपमे आधा दर्जनसँ बेसी स्थानीय घायल भेल छलाह। एही घटनाक बाद आक्रोशित स्थानीय जनकपुर–ढल्केवर सडक खण्डमे चक्काजाम कए देलनि। स्थिति नियन्त्रणमे आनबाक लेल प्रहरीले १६ सेल अश्रुग्यास प्रहार कएने छल।

उक्त आश्रममे भारतमे जेल जीवन काटि रहल रामपालक पूजा–आराधना होइत अछि। ओहि कारणे नेपालक विभिन्न ठामसँ आ भारतसँ सेहो अनुयायी एतए आबैत रहल छथि।

12 comments
विवादित सतलोक आश्रमक गतिविधिपर रोक

  जनकपुरधाम, माघ ३ गते । धनुषाक मिथिला नगरपालिका–२ मे रहल सतलोक आश्रमक गतिविधिपर नगरपालिकाले रोक लगा देलक अछि..

1 घन्टा पहिले

अन्तर विद्यालय क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मदर टेरेसाके..

  जनकपुरधाममाघ ३ गते । पाँचम अन्तर विद्यालय टी–२० क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मदर टेरेसा पब्लिक स्कुल जितलक अ..

1 घन्टा पहिले

जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता कार्यशाला सम्पन्..

  जनकपुरधाम माघ ३ गते । लैंगिक न्यायपूर्ण समाज निर्माण करबाक लेल पत्रकार आ मिडियाक भूमिका मजबूत करबाक मुख्य उद्..

2 घन्टा पहिले

विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालिममे सशस्त्र प्रहरी नाय..

  जनकपुरधाम पुस २९ गते । सशस्त्र प्रहरी बल, नेपालक नायब निरीक्षक अजीत कुमार झा विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालि..

4 दिन पहिले

गोगलप्रसाद नमुना माविका नयाँ भवन उद्घाटन

जनकपुरधामपुस २६ गते । गोगल प्रसाद नमुना मा.वि. जनकपुरधाम –२४,बसहियामा नवनिर्मित दुईकोठे कक्षाकोठा भवनको शनिवा..

7 दिन पहिले

धनुषामेँ जमीन अतिक्रमण विवाद : झड़पमेँ ८ गोटे घायल, ७ सेल ..

  जनकपुरधाम, पुस २६ गते । धनुषा जिलाक मिथिला नगरपालिका–२ सुकजोरस्थित सन्त रामपाल आश्रमक आगे झड़प भेल अछ..

7 दिन पहिले

मारवाडी युवा दिवसमा रक्तदान लगायत विविध कार्यक्रम गरिय..

जनकपुरधाम पुस २६ गते –जनकपुरको मारवाडी युवा मञ्चले मारवाडी युवा दिवस तीन दिनसम्म विविध कार्यक्रम गरी मनाएको छ ..