मैथिली साहित्य समाजक १५०औँ मासिक कविगोष्ठी सम्पन्न बैदेही ठाकुरक गायन आ जानकीरमनक तबला वादन सँ साहित्यप्रेमी मन्त्रमुग्ध

2 महीना पहिले प्रकाशित

Smrititimes

जनकपुरधाम, साउन २४ । मैथिली साहित्य समाज जनकपुरधामक आयोजनामे १५०सम मासिक कविगोष्ठीक विशेष समारोह शनिदिन जनकपुरधामस्थित नेपाल बार एशोसिएसनक सभाकक्षमे सम्पन्न भेल। मैथिली साहित्य समाजक अध्यक्ष विजय दत्त ‘मणि’क अध्यक्षता तथा पूर्व जनस्वास्थ्य निर्देशक विजय कुमार झाक प्रमुख आतिथ्यमे भेल ओ समारोहमे कवि, साहित्यकार आ साहित्यप्रेमीलोकनिक उल्लेखनीय सहभागिता रहल।

समारोहमे सहभागी कविलोकनि अपन–अपन रचनाक वाचन कए कार्यक्रमकेँ साहित्यिक आ सृजनात्मक बनौलनि। लगातार डेढ सय मासधरि मासिक कविगोष्ठीकेँ निरन्तरता देब मैथिली भाषा–साहित्यक लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल गेल।

कार्यक्रमक संयोजक काशीकान्त झा ‘रसिक’क अनुसार, हुनक संयोजकत्वमे मैथिली साहित्य समाजक बैनरमे १५०, रामानन्द युवा क्लबमे ३६ तथा फुटकर रूपमे करीब १०० क  हालधरि २८६ टा कविगोष्ठी सम्पन्न भऽ चुकल अछि। साढे १२ वर्षक अवधिमे दर्जनौँ नव कविके मञ्च उपलब्ध कराओल गेल आ आगामी दिनमे सेहो साहित्यिक गतिविधिकेँ निरन्तरता देबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि।

समारोहक मुख्य आकर्षण बिहारकुण्डस्थित जुगलजोरी मन्दिरक बैदेही ठाकुरक गायन रहल। हुनक गायनमे जानकीरमन ठाकुरक तबला वादनक प्रस्तुति कार्यक्रममे रंग भरि देलक। दूनू कलाकारक प्रस्तुति सँ सभाकक्षमे उपस्थित साहित्यप्रेमी आ दर्शक मन्त्रमुग्ध भऽ गेलाह। अतिथि तथा वक्तालोकनियो दूनू प्रतिभाक प्रशंसा कएलनि।

विशिष्ट अतिथि अधिवक्ता श्याम कुमार मिश्र बैदेही ठाकुरक प्रतिभाक प्रशंसा करैत आगामी दिनमे अपन हैसियतअनुसार सहयोग करबाक आश्वासन देलनि।

समारोहमे विशिष्ट अतिथि शीतल झा, श्याम कुमार मिश्र, अयोध्यानाथ चौधरी तथा डा. अनिल अग्रवाल अपन मन्तव्य रखलनि। वक्तालोकनि मैथिली भाषा आ साहित्यक विकासमे निरन्तर साहित्यिक गतिविधिक महत्वपर चर्चा कएलनि।

एहि अवसरपर विजय दत्त ‘मणि’, काशीकान्त झा ‘रसिक’, देवीकान्त मिश्र ‘मुसनजी’, शुभचन्द्र झा, प्रमोद कुमार झा, फुलेन्द्रलाल कर्ण, बिन्दु ठाकुर, पूनम झा ‘मैथिली’, मोती झा, किरण झा ‘रश्मि’,विभा पाण्डे, सुजित कुमार झा,बैद्यनाथ पासमान, धीरेन्द्र झा ‘मैथिल’, सुमित कुमार झा, आस्था झा, सृष्टि यादव, प्रणय मिश्र, दीपक भण्डारी, विजय यादवलगायत कविलोकनि अपन कविता वाचन कएलनि।

डेढ सय मासधरि नियमित रूपमे कविगोष्ठीकेँ निरन्तरता देनिहार मैथिली साहित्य समाजक ई आयोजन जनकपुरधामक साहित्यिक गतिविधिमे एकटा महत्वपूर्ण पड़ावक रूपमे देखल गेल अछि । कार्यक्रमके संचालन कवि उदिष्टनारायण झा केने छलथि ।

12 comments
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

14 घन्टा पहिले

जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

14 घन्टा पहिले

नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..

जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..

2 दिन पहिले

ग्रामीण महिला किसानको सशक्तीकरण र सम्मान बढाउन जोड

जनकपुरधामअसोज २६ गते । मधेश प्रदेशमा ग्रामीण महिला किसानको आर्थिक सशक्तीकरण, नेतृत्व विकास, जलवायु उत्थानशील कृà..

2 दिन पहिले

रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..

3 दिन पहिले

एम्नेस्टी इन्टरनेशनल जनकपुरधामको बैठक सम्पन्न, मानव अधà¤..

जनकपुरधाम, असोज २६ गते । एम्नेस्टी इन्टरनेशनल नेपाल, जनकपुरधाम युवा समूह–५७ को बैठक विभिन्न महत्वपूर्ण निर्णय à¤..

जानकी महिला जागरण समाजद्वारा ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासà¤..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । जानकी महिला जागरण समाजले ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासमा आश्रय लिइरहेका हिंसा प्रभावित महिलà..

जनकपुरमा ध्वनि प्रदूषण गर्ने २४ मोटरसाइकल प्रहरी नियन्à¤..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । चाडपर्वलाई लक्षित गरी सञ्चालन गरिएको सुरक्षा अभियानअन्तर्गत धनुषा प्रहरीले जनकपुरधामकà..

रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..