विश्वविद्यालय मैथिली विभागमे प्रो. अरुण कुमार कर्णक समीक्षा–ग्रन्थ ‘अनुशीलन’क लोकार्पण लेखनक शुद्धतापर विशेष बल देब आवश्यक ः प्रो. भीमनाथ झा
3 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
दरभंगा, साउन १० गते ।
विद्यापति पीठ आ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक मैथिली विभागक संयुक्त तत्त्वावधानमे आइ विभागाध्यक्ष प्रो. अरुण कुमार कर्ण द्वारा लिखल समीक्षा–ग्रन्थ ‘अनुशीलन’ केर गरिमामय लोकार्पण समारोह सम्पन्न भेल। समारोहमे वरिष्ठ मैथिली साहित्यकार प्रो. भीमनाथ झा, प्रो. रमण झा, प्रो. रमेश झा, डॉ. अरविन्द कुमार सिंह झा, प्रो. दमन कुमार झा, प्रो. अशोक कुमार मेहता आ डॉ. सुनीता कुमारी सहित विभागक शिक्षक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सभक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।
समारोहक अध्यक्षीय सम्बोधनमे प्रो. भीमनाथ झा कहलनि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक मैथिली विभाग प्रतिभाशाली विद्यार्थी सभक सशक्त परम्पराक केन्द्र रहल अछि। एहि विभागसँ अध्ययन कएने अनेक विद्यार्थी आइ मैथिली भाषा आ साहित्यक प्रतिष्ठित हस्ताक्षरक रूपमे अपन पहचान बना चुकल छथि। हुनका अनुसार लेखन सदिखन मौलिक, तथ्यपरक आ चिन्तनप्रधान होयबाक चाही। लेखकक विचार आ शब्द हुनकर अपन बौद्धिक साधनाक परिचायक होइत अछि। ओ कहलनि जे उत्तम लेखन एकटा तपस्या अछि, जाहि लेल निरन्तर अध्ययन, मनन आ मन्थन अनिवार्य अछि।
हुनका विद्यार्थी सभसँ आग्रह कयलनि जे ओ केवल परीक्षा वा रोजगारक उद्देश्यसँ अध्ययन नहि करथि, बल्कि मैथिली भाषा–साहित्यक संरक्षण, संवद्र्धन आ विकासमे सेहो सक्रिय योगदान दिअथि। लेखनक शुद्धतापर बल दैत हुनका वाक्य–विन्यास आ भाषिक शुद्धताकेँ उत्कृष्ट लेखनक आधारशिला बतौलनि आ भविष्य लेल सभ विद्यार्थीकेँ शुभकामना देलनि।
पुस्तकपर अपन विचार व्यक्त करैत प्रो. रमण झा समीक्षा–विधाकेँ साहित्यक अत्यन्त महत्त्वपूर्ण विधा बतौलनि। हुनका अनुसार समीक्षा साहित्यकेँ नवीन दृष्टि आ नव ऊर्जा प्रदान करैत अछि। विषय–प्रवेश करबैत डॉ. अरविन्द कुमार सिंह झा ‘अनुशीलन’ केँ उच्चस्तरीय, नवदृष्टि–सम्पन्न आ गम्भीर आलोचनात्मक कृति कहलनि। प्रो. रमेश झा सेहो पुस्तकक सराहना करैत प्रो. अरुण कुमार कर्णसँ भविष्यमे एहन उत्कृष्ट कृतिसभक निरन्तर सृजनक अपेक्षा व्यक्त कयलनि।
समारोहमे शोधार्थी राजनाथ पंडित, शिवम कुमार झा, मनोज कुमार पंडित, अंबालिका कुमारी, शीला कुमारी, मनीष कुमार, नेहा कुमारी, मिथिलेश कुमार सहनी, राहुल राज गुप्ता, पवन कुमार महतो, प्रवीण कुमार, प्रियंका कुमारी सहित बहुतो शोधार्थी उपस्थित छलाह। एकर अतिरिक्त अपर्णा कुमारी, आदित्य आनंद, देव आनंद, नीक्कू कुमार, नरेश पंडित सहित बड़ी संख्यामे विद्यार्थी सेहो समारोहमे सहभागी बनलाह। विभागक कर्मचारी निरेन्द्र कुमार आ रामसेवक भारतीक सक्रिय उपस्थिति सेहो रहल।
कार्यक्रमक सफल संचालन डॉ. सुरेश पासवान कयलनि। अन्तमे विभागाध्यक्ष आ पुस्तकक लेखक प्रो. अरुण कुमार कर्ण सभ अतिथि, विद्वान, शोधार्थी, विद्यार्थी आ उपस्थित जनसभक प्रति आभार व्यक्त करैत समारोहक सफल आयोजनमे सहयोग देनिहार सभकेँ धन्यवाद ज्ञापन कयलनि।
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..
जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..
11 दिन पहिले
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..
जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..
11 दिन पहिले
नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..
जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..
12 दिन पहिले
ग्रामीण महिला किसानको सशक्तीकरण र सम्मान बढाउन जोड
जनकपुरधामअसोज २६ गते । मधेश प्रदेशमा ग्रामीण महिला किसानको आर्थिक सशक्तीकरण, नेतृत्व विकास, जलवायु उत्थानशील कृà..
12 दिन पहिले
रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..
जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..
13 दिन पहिले
एम्नेस्टी इन्टरनेशनल जनकपुरधामको बैठक सम्पन्न, मानव अधà¤..
जनकपुरधाम, असोज २६ गते । एम्नेस्टी इन्टरनेशनल नेपाल, जनकपुरधाम युवा समूह–५७ को बैठक विभिन्न महत्वपूर्ण निर्णय à¤..
13 दिन पहिले
गुठी विवादले रोकियो ज्ञानकूप संस्कृत विद्यालयको ६ करोडà¤..
जनकपुरधाम, असोज १४ — जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–८ स्थित यज्ञवल्क्य संस्कृत माध्यमिक विद्यालय (ज्ञानकूप) को नया..
24 दिन पहिले
सार्वजनिक शिक्षा सुधारमा सहकार्य र जवाफदेहितामा जोड
जनकपुरधाम, असोज ७ गते । सार्वजनिक शिक्षालाई गुणस्तरीय, समावेशी, पारदर्शी र जवाफदेही बनाउन सरकार, विद्यालय, शिक्षक..
1 महीना पहिले
निलार्जुन इन्जिनियरिङ कलेजले भन्यो– ‘गुठीको जग्गा कब्ज..
जनकपुरधाम भदौँ ३१ गते । निलार्जुन इन्जिनियरिङ कलेजले आफूले गुठी वा सरकारी जग्गा अवैध रूपमा कब्जा गरेको भन्ने आरà¥..
1 महीना पहिले
राजर्षिजनक स्कुल अफ हेल्थ साइन्सेजको प्रगति समीक्षा तथà¤..
जनकपुरधामभदौ २५ गते । राजर्षिजनक स्कुल अफ हेल्थ साइन्सेज, जनकपुरधामको प्रगति समीक्षा तथा आगामी रणनीति र कार्ययोà..
1 महीना पहिले
विद्यालय नियमन र स्थानीय पाठ्यपुस्तक कार्यान्वयनलाई प्..
जनकपुरधाम, २४ भदौ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकामा विद्यालय नियमन, कक्षा थपको अनुमति, संस्थागत विद्यालयको वर्गीकरण à..
2 महीना पहिले
राष्ट्रिय बाल अधिकार दिवसको अवसरमा नगराइनमा हाजिरीजवाफ..
जनकपुरधाम भदौ २४ गते । राष्ट्रिय बाल अधिकार दिवसको अवसरमा माँ जानकी बाल सञ्जाल, नगराइन नगरपालिका द्वारा आयोजित हà¤..
2 महीना पहिले