विश्वविद्यालय मैथिली विभागमे प्रो. अरुण कुमार कर्णक समीक्षा–ग्रन्थ ‘अनुशीलन’क लोकार्पण लेखनक शुद्धतापर विशेष बल देब आवश्यक ः प्रो. भीमनाथ झा
2 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
दरभंगा, साउन १० गते ।
विद्यापति पीठ आ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक मैथिली विभागक संयुक्त तत्त्वावधानमे आइ विभागाध्यक्ष प्रो. अरुण कुमार कर्ण द्वारा लिखल समीक्षा–ग्रन्थ ‘अनुशीलन’ केर गरिमामय लोकार्पण समारोह सम्पन्न भेल। समारोहमे वरिष्ठ मैथिली साहित्यकार प्रो. भीमनाथ झा, प्रो. रमण झा, प्रो. रमेश झा, डॉ. अरविन्द कुमार सिंह झा, प्रो. दमन कुमार झा, प्रो. अशोक कुमार मेहता आ डॉ. सुनीता कुमारी सहित विभागक शिक्षक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सभक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।
समारोहक अध्यक्षीय सम्बोधनमे प्रो. भीमनाथ झा कहलनि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक मैथिली विभाग प्रतिभाशाली विद्यार्थी सभक सशक्त परम्पराक केन्द्र रहल अछि। एहि विभागसँ अध्ययन कएने अनेक विद्यार्थी आइ मैथिली भाषा आ साहित्यक प्रतिष्ठित हस्ताक्षरक रूपमे अपन पहचान बना चुकल छथि। हुनका अनुसार लेखन सदिखन मौलिक, तथ्यपरक आ चिन्तनप्रधान होयबाक चाही। लेखकक विचार आ शब्द हुनकर अपन बौद्धिक साधनाक परिचायक होइत अछि। ओ कहलनि जे उत्तम लेखन एकटा तपस्या अछि, जाहि लेल निरन्तर अध्ययन, मनन आ मन्थन अनिवार्य अछि।
हुनका विद्यार्थी सभसँ आग्रह कयलनि जे ओ केवल परीक्षा वा रोजगारक उद्देश्यसँ अध्ययन नहि करथि, बल्कि मैथिली भाषा–साहित्यक संरक्षण, संवद्र्धन आ विकासमे सेहो सक्रिय योगदान दिअथि। लेखनक शुद्धतापर बल दैत हुनका वाक्य–विन्यास आ भाषिक शुद्धताकेँ उत्कृष्ट लेखनक आधारशिला बतौलनि आ भविष्य लेल सभ विद्यार्थीकेँ शुभकामना देलनि।
पुस्तकपर अपन विचार व्यक्त करैत प्रो. रमण झा समीक्षा–विधाकेँ साहित्यक अत्यन्त महत्त्वपूर्ण विधा बतौलनि। हुनका अनुसार समीक्षा साहित्यकेँ नवीन दृष्टि आ नव ऊर्जा प्रदान करैत अछि। विषय–प्रवेश करबैत डॉ. अरविन्द कुमार सिंह झा ‘अनुशीलन’ केँ उच्चस्तरीय, नवदृष्टि–सम्पन्न आ गम्भीर आलोचनात्मक कृति कहलनि। प्रो. रमेश झा सेहो पुस्तकक सराहना करैत प्रो. अरुण कुमार कर्णसँ भविष्यमे एहन उत्कृष्ट कृतिसभक निरन्तर सृजनक अपेक्षा व्यक्त कयलनि।
समारोहमे शोधार्थी राजनाथ पंडित, शिवम कुमार झा, मनोज कुमार पंडित, अंबालिका कुमारी, शीला कुमारी, मनीष कुमार, नेहा कुमारी, मिथिलेश कुमार सहनी, राहुल राज गुप्ता, पवन कुमार महतो, प्रवीण कुमार, प्रियंका कुमारी सहित बहुतो शोधार्थी उपस्थित छलाह। एकर अतिरिक्त अपर्णा कुमारी, आदित्य आनंद, देव आनंद, नीक्कू कुमार, नरेश पंडित सहित बड़ी संख्यामे विद्यार्थी सेहो समारोहमे सहभागी बनलाह। विभागक कर्मचारी निरेन्द्र कुमार आ रामसेवक भारतीक सक्रिय उपस्थिति सेहो रहल।
कार्यक्रमक सफल संचालन डॉ. सुरेश पासवान कयलनि। अन्तमे विभागाध्यक्ष आ पुस्तकक लेखक प्रो. अरुण कुमार कर्ण सभ अतिथि, विद्वान, शोधार्थी, विद्यार्थी आ उपस्थित जनसभक प्रति आभार व्यक्त करैत समारोहक सफल आयोजनमे सहयोग देनिहार सभकेँ धन्यवाद ज्ञापन कयलनि।
बाढीपीडितको राहत तथा पुनःस्थापनाका लागि भायानेटद्वारा ..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भाईनेट कम्युनिकेसन्स लिमिटेडले हालै आएको विनाशकारी बाढीबाट प्रभावित परिवार तथा समुदायक..
16 घन्टा पहिले
बाढीपीडितको राहत तथा पुनःस्थापनाका लागि भायानेटद्वारा ..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भाईनेट कम्युनिकेसन्स लिमिटेडले हालै आएको विनाशकारी बाढीबाट प्रभावित परिवार तथा समुदायक..
16 घन्टा पहिले
जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघले संकलन गरेको सामानहरु गर..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । पछिल्लो समय आएको प्राकृतिक विपद्बाट प्रभावित नागरिकका लागि जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य सं..
16 घन्टा पहिले
भारत–नेपाल सीमा पर ९३.९७५ लीटर नेपाली आ अंग्रेजी शराब बर..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भारत–नेपाल सीमा पर अवैध शराबक तस्करीक विरुद्ध कार्रवाई करैत ४८वीं वाहिनी सशस्त्र सीमा ..
1 दिन पहिले
मानव तस्करीको आशंका विफल, १३ वर्षीया बालिकासहित दुई युवत..
जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी)ले मानव तस्करीको आशंकामा भारतबाट नेपालतर्फ लैजाँदै गरिएका १३ वर्..
1 दिन पहिले
जनकपुरधामका निजी विद्यालय र क्याम्पसमा दुई दिन बिदा
जनकपुरधाम, २१ भदौ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१ स्थित मिसन सेकेन्ड्री स्कुलका सञ्चालक विक्रम मण्डलको असामयिक ..
3 दिन पहिले
जनकपुरधामका निजी विद्यालय र क्याम्पसमा दुई दिन बिदा
जनकपुरधाम, २१ भदौ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१ स्थित मिसन सेकेन्ड्री स्कुलका सञ्चालक विक्रम मण्डलको असामयिक ..
3 दिन पहिले
ओम आरसीएस स्कुलको २४औँ वार्षिकोत्सव विभिन्न कार्यक्रम ..
जनकपुरधाम साउन २४ गते । जनकपुरधामस्थित ओम आरसीएस स्कुलको २४औँ वार्षिकोत्सव आइतबार विभिन्न कार्यक्रम गरी मनाइएक..
1 महीना पहिले
चिकनामा बालमैत्री समावेशी विद्यालय भवन तथा खेलमैदान उद..
जनकपुरधाम, असार २९ गते । धनुषाको विदेह नगरपालिका–३, चिकनास्थित श्री राष्ट्रिय आधारभूत विद्यालयमा नवनिर्मित..
2 महीना पहिले
समावेशी शिक्षा नीति अध्ययन प्रतिवेदनको निष्कर्ष सबर्वज..
जनकपुरधाम असार ११ गते । मधेशमा समावेशी शिक्षा सम्बन्धि भएको नीतिगत अध्ययनको अवस्था सन्तोषजनक रहे पनि कार्यान..
3 महीना पहिले
जनकपुरधामका निजी विद्यालयमाथि उपमहानगरको कडा निगरानी, ..
जनकपुरधाम, असार ४। जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले निजी विद्यालयहरूमा देखिएको अनियमितता नियन्त्रण गर्न अनुगमनल..
3 महीना पहिले
शंकर मावि धनौजीमा नयाँ भर्ना भएका विद्यार्थीलाई शैक्षि..
जनकपुरधाम असार ४ गते । नव शैक्षिक सत्र सुरु भए संगै धनुषा जिल्लको धनौजी गाउँपालिका वडा नं. २ स्थित शंकर माविमा नया..
3 महीना पहिले
इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे प्रणव प्रशान्त झ..
जनकपुरधाम२१ गते भादब । बीरगञ्जमे काल्हि सम्पन्न इन्डो–नेपाल तेक्वान्दो प्रतियोगितामे धनुषाक मुखियापट्टी मु..
नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्र सिरसियालाई ल्यापटप हस्तान्..
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । प्रादेशिक आयुर्वेद तथा वैकल्पिक चिकित्सालय, मुजेलिया धनुषाले नागरिक आरोग्य सेवा केन्द्..
सोनापारामा लवकुश मन्दिरमा भोली प्राण–प्रतिष्ठान हुने
जनकपुरधाम भदौँ १८ गते । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–२४, सोनापारामा निर्माणाधीन लवकुश मन्दिरको प्राण–प्रतिष्ठ..
भोटेकोशी बाढी प्रभावित क्षेत्रमा प्रभावकारी उद्धारदेख..
काठमाडौं, २१ भदौ । उपभोक्ता हित संरक्षण मञ्च नेपालले भोटेकोशी नदीमा आएको अप्रत्याशित बाढीबाट प्रभावित रसुवा, नुव..