धनुषा ३(२) सँ प्रदेश प्रतिनिधिमे दीपक कुमार ठाकुरक उम्मेदवारी
2 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम, १५ आसिन । नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशन अन्तर्गत धनुषा क्षेत्र नम्बर ३ केर प्रदेशसभा क्षेत्र (२) सँ प्रदेश प्रतिनिधि पद लेल युवा नेता दीपक कुमार ठाकुर उम्मेदवारी दर्ता केने छथि ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–८ केर स्थायी निवासी ठाकुर पछिला किछु समय सँ पार्टीक संगठनात्मक गतिविधिक संगहि शिक्षा आ सामाजिक क्षेत्रमे सक्रिय रहल छथि ।
इन्जिनियरिङ अध्ययन केने ठाकुर जनकपुरधाममे विद्यालय सञ्चालन कऽ शिक्षा क्षेत्रसँ सेहो जुड़ल छथि । ओ नेपाली कांग्रेससँ अपन राजनीतिक यात्रा शुरू केने छथि । पार्टीक गतिविधिक संगहि युवा सहभागिता, शिक्षा, सरसफाइ आ सामाजिक उत्तरदायित्वक विषयमे विभिन्न अभियान सञ्चालन करैत आएल छथि ।
करिब ७–८ वर्ष पहिने ठाकुर ‘अपन वार्ड अपने बनाबी’ अभियान सञ्चालन कऽ सरसफाइ आ घर–घरमे कोडिङ अभियान सेहो चलौने छलाह । तकर बाद सेहो जनकपुरधाममे सरसफाइ आ जनचेतनामूलक कार्यक्रम सञ्चालन करैत आएल छथि ।
कोरोना महामारीक समयमे सेहो ठाकुर सामाजिक गतिविधिमे सक्रिय रहल बताओल गेल अछि । शिक्षा क्षेत्रसँ सम्बन्धित विभिन्न जिम्मेवारीमे रहि ओ शैक्षिक सुधारक विषय उठबैत आएल छथि ।
ठाकुर जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक शिक्षा समितिक सदस्य सेहो छथि । तहिना, एनप्याब्सन जनकपुरधाम नगर समितिक अध्यक्षक रूपमे निजी विद्यालयसँ सम्बन्धित समस्या, शैक्षिक गुणस्तर, व्यवस्थापन आ विद्यार्थीसभक समग्र विकासक विषयमे आवाज उठबैत आएल छथि ।
प्रदेश प्रतिनिधि पदमे उम्मेदवारी देलाक बाद ठाकुर पार्टी संगठनमे युवा पुस्ताक सहभागिता बढ़ेबाक आवश्यकता पर जोर देने छथि । ओ अपन उम्मेदवारीकेँ शिक्षा सुधार, सरसफाइ आ सामाजिक उत्तरदायित्वक विषयसँ जोडÞि कऽ आगाँ बढ़ेबाक बात कहलनि ।
ठाकुर कहलनि, ‘शिक्षा आ सरसफाइ हमर प्रमुख एजेन्डामे अछि । एहि लेल जतेक सम्भव होयत, हम हरपहर सुधारक पक्षमे रहब।’
ठाकुरक उम्मेदवारीसँ धनुषा–३(२) केर कांग्रेसक आन्तरिक निर्वाचनमे युवा पुस्ताक प्रतिनिधित्व आ सामाजिक अभियानसँ जुड़ल विषयसभ सेहो चर्चामे आएल अछि ।
जनकपुरमा अपाङ्गता भएका व्यक्तिका लागि डिजिटल पहुँचयुक्..
जनकपुरधाम कार्तिक १६ गते । अपाङ्गता भएका व्यक्तिहरूको डिजिटल पहुँच अभिवृद्धि गर्ने उद्देश्यले जनकपुरमा आयोजित ..
13 दिन पहिले
जनकपुरमा अपाङ्गता भएका व्यक्तिका लागि डिजिटल पहुँचयुक्..
जनकपुरधाम कार्तिक १६ गते । अपाङ्गता भएका व्यक्तिहरूको डिजिटल पहुँच अभिवृद्धि गर्ने उद्देश्यले जनकपुरमा आयोजित ..
13 दिन पहिले
धनुषामा २०० केजी प्रतिबन्धित गाँजा बरामद, तीन वटा साइकल à¤..
जनकपुरधाम कात्तिक १६। सशस्त्र प्रहरी बल, नेपालले धनुषा जिल्लाबाट ठूलो परिमाणमा प्रतिबन्धित गाँजा बरामद गरेको छà¥..
13 दिन पहिले
राजर्षि इन्स्टिच्युटमा बीबीए २०८३ ब्याचका विद्यार्थीलà..
जनकपुरधाम कार्तिक १४ गते । जनकपुरधाम–४ स्थित राजर्षि इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट एण्ड टेक्नोलोजीले बीबीए २०..
14 दिन पहिले
सुरक्षित आवासका लागि वित्तीय पहुँच विस्तार गर्न तीनै तहà..
जनकपुरधाम, कात्तिक १३ । न्यून आय भएका तथा वित्तीय सेवाको पहुँचबाट वञ्चित परिवारलाई सुरक्षित र किफायती आवासको व्य..
16 दिन पहिले
सार्वजनिक अभिव्यक्तिबारे निलम्बित सभापति लक्ष्मेश्वर à..
जनकपुरधाम कार्तिक १० गते । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) मधेश प्रदेश समितिले धनुषाका निलम्बित जिल्ला सभाà..
19 दिन पहिले
सार्वजनिक अभिव्यक्तिबारे निलम्बित सभापति लक्ष्मेश्वर à..
जनकपुरधाम कार्तिक १० गते । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) मधेश प्रदेश समितिले धनुषाका निलम्बित जिल्ला सभाà..
19 दिन पहिले
लक्ष्मेश्वर यादवले लगाएको आरोपप्रति धनुषाका प्रहरी प्र..
जनकपुरधामकार्तिक १० गते । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाका प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक रूपेश खड्काले लक्ष्मेश्वर यादà..
19 दिन पहिले
मधेस आन्दोलनसम्बन्धी मुद्दामा चार जना सर्वोच्च अदालतमा..
काठमाडौंअसोज १५ गते । मधेस आन्दोलनसम्बन्धी मुद्दा खेपिरहेका महोत्तरी निर्वाचन क्षेत्र नं. ३(क) का निर्वाचित प्रद..
1 महीना पहिले
नेपाली काँग्रेसको १५औँ महाधिवेशन: धनुषमा देउवा पक्षको त..
असोज ०९ गते जनकपुरधाम - नेपाली कांग्रेसको १५औँ केन्द्रीय महाधिवेशनको तयारीअन्तर्गत धनुषा जिल्लामा पूर्वसभाप..
2 महीना पहिले
ढल्केबर ट्रमा सेन्टर अन्यत्र सार्ने प्रयासविरुद्ध चौथो..
जनकपुरधाम साउन २४ गते । धनुषाको ढल्केबरमा कायम गरिएको ट्रमा सेन्टर अन्यत्र सार्ने षड्यन्त्र भएको भन्दै स्थानीयà..
3 महीना पहिले
ढल्केवर ट्रमा सेन्टर सार्ने तयारीको विरोधमा संघर्ष समिà¤..
जनकपुरधाम साउन २२धनुषाको ढल्केवर ट्रमा सेन्टरलाई अन्यत्र सार्ने तयारीको विरोध गर्दै ढल्केवर ट्रमा सेन्टर सà¤..
3 महीना पहिले