मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख पदक निर्वाचन पुस ६ गते हएत
3 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
पुस २ गते ।
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि सम्बन्धमे मुख्यमन्त्री यादव बुधदिन प्रदेशसभा सचिवालयमे पत्र पठौने छथि । नेपालक संविधानक धारा १६८ क उपधारा ४ अनुसार विश्वासक मत लेबाक प्रावधान रहल अछि, ओही अनुसार पुस ४ गते साँझ ४ बजे विश्वासक मत लेबाक व्यवस्था मिलाबय लेल प्रदेशसभा सचिवसँ आग्रह कएल गेल अछि । एहिसँ पहिने सात दलक बैसार पुस ४ गते विश्वासक मत लेबाक मिति तय भऽ चुकल छल ।
मधेश प्रदेश सभामे रहल सात दलक समर्थन सँ गत अगहन १९ गते नेपाली काँग्रेसक संसदीय दलक नेता कृष्ण प्रसाद यादव केँ प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्रलाभ कर्ण मधेश प्रदेशक छठम मुख्यमन्त्रीक रूपमे नियुक्त कएने छलाह । ओहि कारणे आब मुख्यमन्त्री यादव विश्वासक मत लेबय जा रहल छथि ।मधेश प्रदेश सरकारमे नेपाली काँग्रेसक संग–संग जनता समाजवादी पार्टी नेपाल, जनमत पार्टी, नेकपा माओवादी केन्द्र, लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपाल, नेकपा एकीकृत समाजवादी आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टीक समर्थन रहल अछि ।
इम्हर, मधेश प्रदेश सभाक सभामुख पद लेल पुस ६ गते निर्वाचन होएत । बुधबार बैसल प्रदेश सभा बैसारमे उपसभामुख बबिता राउत ईशर पुस ६ गते सभामुख निर्वाचन होएत अछि, से बातक जानकारी प्रदेश सभामे देने छलथिन । सभामुख पद रिक्त रहल कारणे प्रदेशसभा कार्य सञ्चालन नियमावली २०७५ क नियम ७ अनुसार सभामुख निर्वाचन कराएल जाएत, से उपसभामुख जानकारी देने छलथिन । निर्वाचनक प्रक्रिया लेल उपसभामुख बबिता राउत ईशर प्रदेशसभा सचिव वासुप्रसाद कोइराला केँ पुस ५ गते सभामुख निर्वाचन सम्बन्धी सूचना प्रकाशित करबाक निर्देशन देने छलखिन । बुधदिनक बैसारमे उपसभामुख राष्ट्रपति कार्यालय, प्रदेश प्रमुखक कार्यालय आ सर्वोच्च अदालत सँ आएल विभिन्न पत्र सभामे पढिक सुनौने छलखिन ।
बुधदिनक बैसारमे सभामुख सँ अनुमति लए जनता समाजवादी पार्टी नेपालक प्रदेशसभा सदस्य ललिता विद्रोही सवारी दुर्घटनाक नाम पर हत्या करबाक प्रयास भेल आरोप लगौने छलखिन आ ओहि घटनाक निष्पक्ष छानबिन करबाक मांग कएने छलथि ।
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
3 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
3 घन्टा पहिले
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
4 घन्टा पहिले
विराटनगरलाई हराउँदै लुम्बिनी फाइनलमा
काठमाडौँ मंसिर २५ गते । । विराटनगर किंग्सलाई पराजित गर्दै लुम्बिनी लायन्स पहिलो पटक सिद्धार्थ बैंक नेपाल प्रिमि..
6 दिन पहिले
जेन–जी आन्दोलनमा ८४ अर्ब ४५ करोडभन्दा बढीको सम्पत्ति क्..
काठमाडौँ मंसिर २५ गते । जेन–जी आन्दोलनमा भएको क्षतिको मूल्यांकन तथा सार्वजनिक संरचनाको पुनःनिर्माण योजना तया..
6 दिन पहिले
न्याय क्षेत्रमे निष्पक्षता, स्वच्छता, पारदर्शीता जरुरी..
जनकपुरधाम, २५ अगहनः प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत अदालत तथा न्याय क्षेत्रमे निष्पक्षता, स्वच्छता, ..
6 दिन पहिले
ओरेक मधेश प्रदेशको अर्धवार्षिक प्रतिवेदन सार्वजनिक घरम..
जनकपुरधाम मंसिर २४ गते ।महिला पुनस्र्थापना केन्द्र ओरेक मधेश प्रदेशले महिला हिंसाको अर्धवार्षिक घटनाको तथ्..
7 दिन पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री यादवक द्वारा पद सँ इस्तीफा
अगहन १७ गते जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव मुख्यमन्त्री पद सँ इस्तीफा दऽ देलथि । मधेश प..
14 दिन पहिले
स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके तीन दिनमा वार्षिक समिक्षा..
ज्नकपुरधाम अगहन ५ गते । स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके आर्थिक वर्ष २०८१ –८२ मे सम्पादित स्वास्थ्य कार्यक्रमके प..
26 दिन पहिले
मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डल पदमुक्त
मंसिर ३, २०८२जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डलको विरुद्धमा सात दलका ६४ जना प्रदेश सभाका सदस्यहरु..
28 दिन पहिले
मधेश प्रदेशसभा आज बैठकमा बस्दै, सभामुखविरुद्धको अविश्व..
२०८२ मंसिर ३ मधेश प्रदेशसभाको आज (बुधबार) बस्ने बैठकलाई राजनीतिक रूपमा अत्यन्त संवेदनशील मानिएको छ। सभामुख रामचन..
28 दिन पहिले
मधेशमा काँग्रेस नेतृत्वको नयाँ सरकार बन्ने पक्का कृष्ण..
जनकपुरधाम असोज २२ गते । जेन जी आन्दोलनका क्रममा फेसबुक मार्फत राजीनामा दिएका मधेश प्रदेशका मुख्यमन्त्री सतिश कु..
2 महीना पहिले
कांग्रेस, एमाले र नेकपासँग चुनावी तालमेल नगर्ने निष्कर्..
मङ्सिर २४ गते काठमाडौँ । फागुन २१ गतेको प्रतिनिधिसभा निर्वाचन नजिकिएसँगै मधेस केन्द्रित दलहरुमा ध्रुवीकरणक..
ओरेक मधेश प्रदेशको अर्धवार्षिक प्रतिवेदन सार्वजनिक घरम..
जनकपुरधाम मंसिर २४ गते ।महिला पुनस्र्थापना केन्द्र ओरेक मधेश प्रदेशले महिला हिंसाको अर्धवार्षिक घटनाको तथ्..
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
शान्ति पुनस्र्थापना गृहको जनचेतनामुलक कार्यक्रम सम्पन..
जनकपुरधाम मंसिर २५ गते । १६ दिने लैँगिक हिँसा विरुद्धको अभियानका क्रममा शान्ति पुनस्र्थापना गृहले धनुषा जिल्ला..