खान–पानमे सुधार आ नियमित व्यायाम सँ नसैला रोग सँ बचाव संभव ः विशेषज्ञ
2 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम, पुस ७ ।
नेपालमे होबबला मृत्युके ७१ प्रतिसत बिना सरुवा रोग (नन–कम्युनिकेबल डिजिज) सँ भरहल यृ नमहर समस्याके रुपमे रहल जानकारी विशेषज्ञ सभ देलन्हि अछि ।
वर्तमान समयमे हृदय, किरनी, फेफरा, उच्च रक्तचाप, मधुमेह, थाइराइड जेकाँ रोग सँ बहुत नेपाली नागरिकक मृत्यु भ’ रहल अछि । एहन रोग सँ बचबाक लेल संतुलित खान–पान, नियमित शारीरिक व्यायाम आ जीवनशैलीमे परिवर्तन जरूरी रहल अछि, एपर विशेषज्ञ सभ जोर देलन्हि अछि ।
मधेश प्रदेश खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय, जनकपुरधामक आयोजनामे सोमदिन स्वास्थ्य स्वयंसेविका सभके लक्षित क’ नेपालमे पहिल बेर “नसैला रोग न्यूनीकरण लेल खान–पानमे सुधार” विषय पर स्वास्थ्यकर्मी आ खाद्य प्रविधि विशेषज्ञ सभक सहभागितामे जागरूकता कार्यक्रम आयोजित कएल गेल । कार्यक्रममे खान–पान आ शारीरिक व्यायाम सँ नसैला रोग न्यूनीकरण संभव अछि, एपर विशेष जोड देल गेल ।
मधेश प्रदेश स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयक स्वास्थ्य महाशाखाक प्रमुख डा. विपिन कुमार झा संतुलित खान–पान आ नियमित शारीरिक व्यायाम सँ नसैला रोग नियंत्रित आ कम कएल जा सकैत अछि, ई बात कहलन्हि । हुनकर अनुसार ५ सँ १७ वर्ष धरि बाल–बालिका सभके कम सँ कम १ घंटा प्रतिदिन खेलकूद लेल प्रोत्साहित कएल जाय चाही आ १८ सँ ७५ वर्ष उमेरक व्यक्ति लेल संतुलित खान–पान संग ४० मिनट शारीरिक व्यायाम जरूरी अछि ।
वैकल्पिक तथा आयुर्वेद चिकित्सालयक प्रमुख डा. महारुद्र ठाकुर कहलन्हि जे वर्तमान समयमे जीवनशैली, खान–पान, अत्यधिक व्यस्तता आ शारीरिक व्यायामक कमी कारणे लोग नसैला रोग सँ पीडÞित भ’ रहल अछि आ ठीक नहि भेला पर आयुर्वेद उपचार लेल आबैत अछि, जाहि सँ रोगीक संख्या बढ़ रहल अछि । हुनकर अनुसार जीवनशैलीमे सुधार क’ शुद्ध आहार–विहार अपनाए पर रोगे नहि लागय, एहन स्थिति बनेबाक जरूरत अछि ।
स्वास्थ्य कार्यालय धनुषाक प्रमुख उमेश कुमार यादव बतौलन्हि जे पछिला समयमे स्वास्थ्य प्रति जनचेतना घटल अछि आ मोबाइलक लत सभ उम्रक लोगमे बढ़ रहल अछि । एह कारण शहरी बाल–बालिका सभमे मोटापा बढ़ रहल अछि, कुपोषण आ रक्तअल्पताक प्रतिशत सेहो बढ़ रहल अछि ।
खाद्य अनुसन्धान अधिकृत कमल बुढाथोकी विश्वस्तर पर नसैला रोग सँ होइत मृत्यु सम्बन्धी तथ्यांक प्रस्तुत करैत कहलन्हि जे नेपालमे विभिन्न रोग सँ होइत कुल मृत्यु मध्य ७१ प्रतिशत मृत्यु नसैला रोग कारणे होइत अछि । ओ कहलन्हि जे ३७ सँ ७० वर्ष उमेर समूहमे होइत मृत्यु मध्य २२ प्रतिशत नसैला रोग कारणे होइत अछि । हुनकर अनुसार शुद्ध आ उचित मात्रामे खान–पान आ नियमित व्यायाम अति आवश्यक अछि ।
कार्यक्रमक अध्यक्षता कएनिहार खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय मधेश प्रदेशक कार्यालय प्रमुख आ खाद्य वैज्ञानिक विमल कुमार दहाल बतौलन्हि जे अधिक तेलमे तैरल परिकार, ठेला–गाड़ीमे अधिक धुआँमे बनाओल भोजन, सेकुवा जेकाँ खाद्य पदार्थ मानव स्वास्थ्य लेल हानिकारक अछि आ एहि सँ कैंसर तकक खतरा रहैत अछि । हुनकर अनुसार भोजन सम्बन्धी भ्रम दूर क’ नियमित रूप सँ स्वस्थ आ स्वच्छ खाना खाय जरूरी अछि ।
कार्यक्रममे उपभोक्ता हित संरक्षण मञ्चक केन्द्रीय सदस्य वटुकनाथ झा, राष्ट्रिय समाचार समिति मधेश प्रदेश कार्यालयक प्रमुख सुरेश झा लगायत अन्य वक्ता सभ अपन मन्तव्य रखलन्हि । कार्यक्रमक संचालन खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय, जनकपुरधामक प्राविधिक सहायक प्रदीप संग्रौलाले कएलन्हि । कार्यक्रममे कार्यालयक खाद्य अनुसन्धान अधिकृत प्रविण तिवारी, रोशन कुमार साह सहित अन्य कर्मचारी आ दू दर्जन सँ अधिक महिला स्वास्थ्य स्वयंसेविका सभक सहभागिता रहल छल ।
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
2 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
2 घन्टा पहिले
खान–पानमे सुधार आ नियमित व्यायाम सँ नसैला रोग सँ बचाव सं..
जनकपुरधाम, पुस ७ । नेपालमे होबबला मृत्युके ७१ प्रतिसत बिना सरुवा रोग (नन–कम्युनिकेबल डिजिज) सँ भरहल यृ नमहर सम..
2 घन्टा पहिले
मधेसमे जलवायु संकटके प्रभाव आदिवासी आ अपाङ्ग समुदायपर अ..
जनकपुरधाम, ७ पुस ।मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर सबसँ बेसी दलित, आदिवासी–जनजाति आ अपाङ्गता भेल व्यक्ति..
3 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
5 दिन पहिले
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
5 दिन पहिले
स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके तीन दिनमा वार्षिक समिक्षा..
ज्नकपुरधाम अगहन ५ गते । स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके आर्थिक वर्ष २०८१ –८२ मे सम्पादित स्वास्थ्य कार्यक्रमके प..
1 महीना पहिले
सबैलामा नगर स्तरिय प्रारम्भिक बाल विकास समितिको बैठक सम..
जनकपुरधाम मंसिर ३ गते । धनुषा जिल्लाको सबैलामा नगर स्तरिय प्रारम्भिक बाल विकास समितिको बैठक सम्पन्न भएको छ । बैठ..
1 महीना पहिले
प्रारम्भिक वालविकासमा वुवाको भुमिका सम्बन्धी सहजकर्ता..
जनकपुरधाम असोज २८ गते । प्रारम्भिक वालविकासमा बुवाको भूमिका विषयमा सहजकर्तालाई जानकी महिला जागरण समाजले तीन दि..
2 महीना पहिले
अन्तराष्ट्रिय युवा दिवसको अवसरमा मारवाडी युवा मञ्चद्व..
जनकपुरधाम साउन २५ गते । अन्तर्राष्ट्रिय युवा दिवसको अवसरमा मारवाडी युवा मञ्च जनकपुरले आइतबार जनक चौकमा रक्तदान ..
4 महीना पहिले
माचिका महिलाहरुलाई पुर्ण स्तनपान सम्बन्धमा जानकारी गरा..
जनकपुरधाम साउन २१ गते ।धनुषा जिल्लाको कमला नगरपालिका वडा नं. २ माचिका महिलाहरुलाई बुधबार पुर्ण स्तनपान सम्बन्धम..
5 महीना पहिले
बफै र खजुरीमा स्तनपान दिवस मनाइयो
जनकपुरधाम साउन २१ गते ।विश्व स्तनपान सप्ताह चलिरहदा धनुषा जिल्लाको दुई स्थानमा बुधबार स्तनपान सम्बनधमा जनचेतन..
5 महीना पहिले
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
खान–पानमे सुधार आ नियमित व्यायाम सँ नसैला रोग सँ बचाव सं..
जनकपुरधाम, पुस ७ । नेपालमे होबबला मृत्युके ७१ प्रतिसत बिना सरुवा रोग (नन–कम्युनिकेबल डिजिज) सँ भरहल यृ नमहर सम..