मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्रहण
2 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्रदेश सभा कार्यालयमे आइ पदभार ग्रहण करैत ओ हम कोनो दलके प्रतिनिधि नै भ सम्पूर्ण प्रदेश सभाक सझिया अभिभावकके रूपमे निष्पक्ष भूमिका निर्वाह करब से बतौलैन ।
सभामुख यादव, राजनीतिक दलसभ बीच संवाद आ सहकार्यकेँ बढ़ावा देबाक बतौलैन । “मतभेद स्वाभाविक छै । मुदा, सहकार्य अपरिहार्य छै”, ओ कहलैन । प्रदेशक हितके लेल सब दल सङे समवंय करैत आगु बढ़बाक हुनक कहब छलैन ।
मधेशक मुद्दा समावेशिता, सुशासन, शिक्षा आ स्वास्थ्यके पहुँच, रोजगारी सिर्जना आ सीमावर्ती क्षेत्रक चुनौतीकेँ संसदीय कार्यसूचीमे प्राथमिकताके सङे उठेबाक ओ उल्लेख केलैन ।
प्रदेश सभा कार्यपालिकापर प्रभावकारी निगरानीके आवश्यकता भेल कहैत ओ बजेट कार्यावंयन, सार्वजनिक खर्चके पारदर्शिता आ सेवा प्रवाहके गुणस्तरमे सुधारक विषयमे संसद् सशक्त होबाक चाही से विचार व्यक्त केलैन ।
प्रदेश सभाकेँ लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यताअनुसार प्रभावकारी, उत्तरदायी आ मर्यादित रूपमे संचालन करबाक सभामुख यादव प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । “सभामुखके कुर्सी राजनीतिक आग्रह पूर्वाग्रहसँ उपर होइत छै । संविधान, कानून आ संसदीय नियमावलीके पूर्ण पालना कराबैत सभाकेँ जनउत्तरदायी बनेबाक हमर दायित्व रहत”, ओ कहलैन ।
सभामे अनुशासन, समयपालन आ स्वस्थ बहस संस्कृतिकेँ संस्थागत करबाक लेल हम दृढ़ रहब उल्लेख करैत सांसदसभकेँ रचनात्मक भूमिका निर्वाह करबाक लेल ओ आग्रह केलैन । समितिसभकेँ सक्रिय बनाबैत विधेयकसभमे गम्भीर परामर्श, संशोधन आ सहमति निर्माणमे सभामुखके भूमिकाकेँ प्रभावकारी बनेबाक हुनक कहब छलैन । कार्यभार समहार सँ पहिले नवनिर्वाचित सभामुख यादव सहिदसभप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण केलैन अइछ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१४ मे मधेश आन्दोलनक वीर सहिदसभक स्मृतिमे निर्माण कएल गेल सहिद स्मारकमे जा क ओ फूलमाला अर्पण करैत श्रद्धाञ्जली अर्पण केलैन ।
श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत सभामुख यादव मधेश आन्दोलनक क्रममे जीवन उत्सर्ग कएने वीर सहिदसभक त्याग, समर्पण आ बलिदानकेँ स्मरण केलैन । सहिदसभक बलिदान सदैव प्रेरणाक स्रोत रहत उल्लेख करैत ओ प्रदेशक समृद्धि, समानता आ सामाजिक न्यायके लेल प्रदेश सभामार्फत इमानदार आ निष्पक्ष रूपमे काज करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
सहिदसभक योगदानक कारण मधेश अपन अधिकार, पहिचान आ आवाज स्थापित कएने बतबैत सभामुख यादव ओइ आदर्शकेँ आत्मसात् क जिमेवारीपूर्वक भूमिका निर्वाह करबाक उल्लेख केलैन ।
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
2 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
2 घन्टा पहिले
खान–पानमे सुधार आ नियमित व्यायाम सँ नसैला रोग सँ बचाव सं..
जनकपुरधाम, पुस ७ । नेपालमे होबबला मृत्युके ७१ प्रतिसत बिना सरुवा रोग (नन–कम्युनिकेबल डिजिज) सँ भरहल यृ नमहर सम..
2 घन्टा पहिले
मधेसमे जलवायु संकटके प्रभाव आदिवासी आ अपाङ्ग समुदायपर अ..
जनकपुरधाम, ७ पुस ।मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर सबसँ बेसी दलित, आदिवासी–जनजाति आ अपाङ्गता भेल व्यक्ति..
3 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
5 दिन पहिले
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
5 दिन पहिले
महन्थ ठाकुर, हृदयेश त्रिपाठी र वृषेशचन्द्र लाल नेतृत्वक..
जनकपुरधाम मंसिर २४ गते । महन्थ ठाकुर, हृदयेश त्रिपाठी र वृषेशचन्द्र लाल नेतृत्वको तीन दलबीच पार्टी एकीकरण हुन..
12 दिन पहिले
कांग्रेस, एमाले र नेकपासँग चुनावी तालमेल नगर्ने निष्कर्..
मङ्सिर २४ गते काठमाडौँ । फागुन २१ गतेको प्रतिनिधिसभा निर्वाचन नजिकिएसँगै मधेस केन्द्रित दलहरुमा ध्रुवीकरणक..
12 दिन पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री यादवक द्वारा पद सँ इस्तीफा
अगहन १७ गते जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव मुख्यमन्त्री पद सँ इस्तीफा दऽ देलथि । मधेश प..
19 दिन पहिले
मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डल पदमुक्त
मंसिर ३, २०८२जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डलको विरुद्धमा सात दलका ६४ जना प्रदेश सभाका सदस्यहरु..
1 महीना पहिले
मधेश प्रदेशसभा आज बैठकमा बस्दै, सभामुखविरुद्धको अविश्व..
२०८२ मंसिर ३ मधेश प्रदेशसभाको आज (बुधबार) बस्ने बैठकलाई राजनीतिक रूपमा अत्यन्त संवेदनशील मानिएको छ। सभामुख रामचन..
1 महीना पहिले
मधेशमा काँग्रेस नेतृत्वको नयाँ सरकार बन्ने पक्का कृष्ण..
जनकपुरधाम असोज २२ गते । जेन जी आन्दोलनका क्रममा फेसबुक मार्फत राजीनामा दिएका मधेश प्रदेशका मुख्यमन्त्री सतिश कु..
3 महीना पहिले