नव आर्थिक वर्ष संगे करक बोझ बढ़ल: आइ सँ ई सात क्षेत्र महँग, उपभोक्ता पर बढ़त दबाव

3 महीना पहिले प्रकाशित

Smrititimes

नव आर्थिक वर्ष संगे करक बोझ बढ़ल: आइ सँ ई सात क्षेत्र महँग, उपभोक्ता पर बढ़त दबाव

१ साउन, काठमांडू। नव आर्थिक वर्षक शुरुआत संगे सरकार विभिन्न वस्तु आ सेवासभ पर नव कर आ अतिरिक्त शुल्क लागू कएने अछि। आन्तरिक राजस्व संकलन मजबूत बनाबय आ वित्तीय स्रोत बढ़ाबयक उद्देश्यसँ शिक्षा, स्वास्थ्य, बिजली, सुन–चाँदी, राइड सेयरिङ, क्यासिनो तथा डिलक्स होटल–रिसोर्ट सहित सात प्रमुख क्षेत्र करक दायरामे आनल गेल अछि।

सरकारक एहि निर्णयक प्रत्यक्ष असर आम जनता आ विभिन्न व्यवसायसभ पर पड़त, जाहिसँ दैनिक उपयोगक अनेक वस्तु आ सेवा महँग होएबाक संभावना अछि।

विशेष रूपसँ शिक्षा, स्वास्थ्य आ बिजली जेकाँ आवश्यक सेवामे कर बढ़लासँ मध्यमवर्गीय परिवारक मासिक खर्च पर अतिरिक्त बोझ पड़त। नव व्यवस्थाअनुसार निजी विद्यालयसभ आब विद्यार्थीसँ लेल जाएबला मासिक शुल्क पर ३ प्रतिशत अतिरिक्त कर देत। जँ विद्यालय ई भार स्वयं नहि उठाबत, तँ अभिभावकसभकेँ बेसी शुल्क तिरहए पड़त। उदाहरणस्वरूप, मासिक १० हजार रुपैया शुल्क देबयवला परिवारकेँ आब ३०० रुपैया अतिरिक्त भुगतान करए पड़ि सकैत अछि।

एहने प्रकारे निजी अस्पतालसभमे उपचार कराबए पर सेहो ३ प्रतिशत कर लागू कएल गेल अछि। जँ कोनो मरीज १ लाख रुपैयाक उपचार कराबैत छथि, तँ हुनका अतिरिक्त ३ हजार रुपैया कर देबए पड़त। एहि निर्णयसँ स्वास्थ्य सेवा आम नागरिक लेल आरो महँग होएबाक चिन्ता व्यक्त कएल जा रहल अछि।

सरकार शहरी क्षेत्रक बिजली आ यातायात सेवाकेँ सेहो नव करक दायरामे आनने अछि। आब ५० युनिटसँ बेसी बिजली उपभोग करनिहार उपभोक्ताकेँ ५ प्रतिशत अतिरिक्त कर देबए पड़त। एहि व्यवस्थासँ घरेलू उपभोक्ताक संगहि उद्योग आ व्यवसायसभक ऊर्जा खर्च सेहो बढ़त।

पछिला समयमे लोकप्रिय बनल राइड सेयरिङ सेवामे सेहो ५ प्रतिशत सेवा शुल्क अनिवार्य कएल गेल अछि। कम्पनीसभ ई शुल्क केना समायोजन करत, से स्पष्ट नहि भेल अछि। तथापि, अन्ततः एकर भार यात्रीकेँ बढ़ल भाड़ा अथवा चालकक आम्दानी कटौतीक रूपमे सहए पड़ि सकैत अछि।

विलासिताक वस्तुसभ पर सेहो कर बढ़ाओल गेल अछि। आब सुन, चाँदी आ तकर गहना किनबाक समय ०.५ प्रतिशत अतिरिक्त कर लागी। विवाह आ पर्व–त्योहारक समय एहि निर्णयसँ उपभोक्ताक खर्च बढ़त।

एहि अतिरिक्त, क्यासिनो सञ्चालकसभक वार्षिक रोयल्टी १ करोड ५० लाख रुपैयासँ बढ़ाकऽ ३ करोड रुपैया कएल गेल अछि। पाँचतारा होटल, लक्जरी रिसोर्ट आ विदेशी ब्रान्डक मदिरा पर सेहो २ प्रतिशत अतिरिक्त शुल्क लागू भेल अछि, जाहिसँ पर्यटन आ आतिथ्य क्षेत्रक सञ्चालन लागत बढ़एबाक सम्भावना अछि।

सरकारक अनुसार ई कर व्यवस्था देशक वित्तीय स्रोत मजबूत बनाबए लेल आवश्यक अछि। मुदा विश्लेषकसभक मत अछि जे विलासिताक वस्तुपर कर बढ़ेनाइ सामान्य बात भए सकैत अछि, लेकिन शिक्षा आ स्वास्थ्य जेकाँ संवेदनशील क्षेत्रमे कर बढ़ेनासँ व्यापक सामाजिक बहस शुरू भऽ सकैत अछि।

नव आर्थिक वर्षक शुरुआतमे सरकारी कर्मचारीसभकेँ तलबमे किछु राहत भेटल अछि, मुदा निजी क्षेत्रमे कार्यरत आ दैनिक ज्यालादारी पर निर्भर लोकसभ लेल नव कर प्रणाली महँगीक अतिरिक्त बोझ लऽ कऽ आएल अछि।

आगामी दिनमे व्यवसायीसभ ई करक भार स्वयं वहन करैत छथि वा पूर्ण रूपेँ उपभोक्तापर स्थानान्तरित करैत छथि, एहि आधार पर बजारक मूल्यवृद्धि आ उपभोगक भावी दिशा तय होएत।

12 comments
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

2 दिन पहिले

जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..

2 दिन पहिले

नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..

जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..

3 दिन पहिले

ग्रामीण महिला किसानको सशक्तीकरण र सम्मान बढाउन जोड

जनकपुरधामअसोज २६ गते । मधेश प्रदेशमा ग्रामीण महिला किसानको आर्थिक सशक्तीकरण, नेतृत्व विकास, जलवायु उत्थानशील कृà..

3 दिन पहिले

रौतहटका तीन स्थानीय तहमा विपद् जोखिम सञ्चार योजना निर्मà..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । विपद् जोखिम न्यूनीकरण, पूर्वतयारी तथा प्रभावकारी सूचना प्रवाहलाई सुदृढ बनाउने उद्देश्यà..

4 दिन पहिले

एम्नेस्टी इन्टरनेशनल जनकपुरधामको बैठक सम्पन्न, मानव अधà¤..

जनकपुरधाम, असोज २६ गते । एम्नेस्टी इन्टरनेशनल नेपाल, जनकपुरधाम युवा समूह–५७ को बैठक विभिन्न महत्वपूर्ण निर्णय à¤..

4 दिन पहिले

बाढीपीडितको राहत तथा पुनःस्थापनाका लागि भायानेटद्वारा ..

जनकपुरधाम भदौँ २३ गते । भाईनेट कम्युनिकेसन्स लिमिटेडले हालै आएको विनाशकारी बाढीबाट प्रभावित परिवार तथा समुदायक..

1 महीना पहिले

सीप विकास र रोजगारीलाई जोड्ने एकीकृत नीति आवश्यक ः मधेश à¤..

जनकपुरधाम भदौँ १६ गते । किशोर–किशोरी, युवा तथा उनीहरूका अभिभावकलाई सीप विकाससँग जोड्दै ‘काम गर्दै सिक्ने’ अ..

1 महीना पहिले

बिल बिना ६४ पीस रेडिमेड कुर्ता बरामद

  जनकपुरधाम, साउन २३ गते । धनुषाक जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–६ स्थित बजरंग चोकसँ पगलाबाबा धर्मशालातर्फ जा रहल à¤..

2 महीना पहिले

भन्सार चोरीक सामानसँ २३.३० लाखक ईभी भ्यान जप्त

  जनकपुरधाम, साउन १९ — धनुषा पुलिस भन्सार चोरीसँ आनल गेल विभिन्न खाद्य सामग्री आ ओहि सामानके ढोआ-नियाँ कà¤..

2 महीना पहिले

भारत–नेपाल सीमापर ५० हजारसँ बेसी शंकास्पद भारतीय जाली न..

  जनकपुरधाम, साउन १८ । भारत–नेपाल अन्तर्राष्ट्रिय सीमावर्ती क्षेत्रमे भारतीय सुरक्षा निकायसभ ५० हजारसँ बेसी ..

2 महीना पहिले

भन्सार छलीका करिब १३ लाख ९५ हजार रुपैयाँ बराबरका सामानसह..

  जनकपुरधाम साउन १७ गते । धनुषाको जनकपुर उपमहानगरपालिका–८ स्थित बजरंग चोक क्षेत्रमा प्रहरीले भन्सार छलीका कà¤..

2 महीना पहिले

जानकी महिला जागरण समाजद्वारा ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासà¤..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । जानकी महिला जागरण समाजले ओरेक धनुषाको सुरक्षा आवासमा आश्रय लिइरहेका हिंसा प्रभावित महिलà..

नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..

जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..

जनकपुरमा ध्वनि प्रदूषण गर्ने २४ मोटरसाइकल प्रहरी नियन्à¤..

जनकपुरधाम असोज २६ गते । चाडपर्वलाई लक्षित गरी सञ्चालन गरिएको सुरक्षा अभियानअन्तर्गत धनुषा प्रहरीले जनकपुरधामकà..

जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..

  जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..