जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता कार्यशाला सम्पन्न
8 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
माघ ३ गते ।
लैंगिक न्यायपूर्ण समाज निर्माण करबाक लेल पत्रकार आ मिडियाक भूमिका मजबूत करबाक मुख्य उद्देश्यसँ जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता सम्बन्धी एकदिने कार्यशाला सम्पन्न भेल अछि। ई कार्यशालामे मधेस प्रदेशक धनुषा, महोत्तरी, पर्सा, बारा आ सर्लाही जिलासँ आएल ४२ गोट पत्रकारसभक सक्रिय सहभागिता रहल।
कार्यशालाक मुख्य उद्देश्य सञ्चार क्षेत्रमे लैंगिक रूपान्तरण पद्धतिके बढ़ावा देनाय, लैंगिक न्याय आ समावेशी रिपोर्टिङ लेल पत्रकारसभकेँ संवेदनशील बनेनाय, लैंगिक हिंसा पीड़ित आ प्रभावित केन्द्रित दृष्टिकोणकेँ प्रवर्द्धन करनाय रहल। एही संग महिला अधिकार, बाल अधिकार, अपांगता रहल व्यक्तिसभक अधिकार संरक्षण, लैंगिक हिंसाक विरोध आ अन्य हानिकारक सामाजिक मूल्य–मान्यता आ अभ्याससभक अन्त्य लेल सञ्चार क्षेत्रक भूमिका आ जवाफदेहिता बढ़ेबाक लक्ष्य राखल गेल।
सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रम बेलायत सरकारक आर्थिक सहयोग आ पिपुल इन नीड नेपालक नेतृत्वमे दिव्य विकास स्रोत केन्द्र, पर्सा पर्सा आ हामी दाजुभाइ संस्था मधेस प्रदेशमे लैंगिक विभेद आधारित हिंसाक रोकथाम आ प्रतिकार्य लेल विभिन्न समुदायस्तरीय गतिविधि चला रहल अछि। ई कार्यशाला ओहि कार्यक्रम अन्तर्गत नेपाल पत्रकार महासंघक जिल्लास्तरीय शाखासभक समन्वयमे आयोजित कएल गेल।
कार्यक्रमसँ सञ्चार जगत लैंगिक हिंसाक सवालमे न्याय केन्द्रित, संवेदनशील आ पीड़ित–प्रभावित केन्द्रित रिपोर्टिङ आ समाचार लेखन दिशामे अग्रसर होयत—एहन अपेक्षा कएल गेल। कार्यशालामे डिजिटल पत्रकारिता, गलत सूचना रोकथाम, गोपनीयता आ सुरक्षा सुनिश्चित करबाक प्रक्रिया, आ समुदायमे सकारात्मक परिवर्तन आनयमे मिडियाक भूमिकापर विस्तृत छलफल भेल।
कार्यक्रममे सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रमक पाँच मुख्य पैरवी सन्देशपर विशेष जोड़ देल गेल, जइमे—
छोरीकेँ महत्व देब, छोरीकेँ बोझ बुझबाक सोच बदलनाय; बाल विवाह देरी सँ करबाक आवश्यकता; “माया करयवाला कुटैत अछि” ई सोच गलत अछि—माया करयवाला कखनो हिंसा नहि करैत अछि; स्वस्थ सम्बन्धसँ परिवार खुशहाल बनैत अछि; हिंसाक रिपोर्ट करनाय जरूरी अछि, कारण रिपोर्ट करनाय दूसरकेँ हिंसासँ बचेनाय होइत अछि—जइहन सन्देश शामिल रहल।
कार्यशालाक सहजीकरण वरिष्ठ पत्रकार आरती चटौत कएलनि। मधेस प्रदेशमे कार्यरत पत्रकार लक्ष्मी चौधरी मधेसमे महिला अधिकार प्रवर्द्धनमे पत्रकारक भूमिका आ पत्रकारिताक आचारसंहिता विषयपर छलफल कएलनि। हामी दाजुभाइक कार्यक्रम प्रबन्धक सुमिक्षा खड्का कार्यक्रमक उद्देश्यपर प्रकाश पारलनि। पिपुल इन नीड नेपालक कार्यक्रम प्रबन्धक सुनिल कुमार साह सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रमक विस्तृत जानकारी देलनि। समापन सत्रमे कार्यक्रम प्रबन्धक अनुरोध साह लैंगिक रूपान्तरण लेल पत्रकारक अपरिहार्य भूमिकापर जोड़ देलनि। कार्यक्रमक समापन हमी दाजुभाइक कार्यकारी निर्देशक संजोग ठकुरी कएलनि आ सहभागीसभकेँ लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता लेल शुभकामना देलनि।
ई कार्यशालासँ मिडियाकेँ महिला अधिकार, बाल अधिकार, अपांग व्यक्तिसभक अधिकार संरक्षण, लैंगिक हिंसाक विरोध आ हानिकारक सामाजिक अभ्याससभक उजागरमे जिम्मेवार, न्याय केन्द्रित आ समावेशी दृष्टिकोण अपनाबय लेल प्रेरणा भेटल अछि। कार्यशालापछि १० गोट पत्रकार लैंगिक समानता आ सामाजिक रूपान्तरण लेल फेलोसिप कार्यक्रममे काम करबाक अवसर पेताह।
नेपाली काँग्रेसको १५औँ महाधिवेशन: धनुषमा देउवा पक्षको त..
असोज ०९ गते जनकपुरधाम - नेपाली कांग्रेसको १५औँ केन्द्रीय महाधिवेशनको तयारीअन्तर्गत धनुषा जिल्लामा पूर्वसभाप..
2 दिन पहिले
नेपाली काँग्रेसको १५औँ महाधिवेशन: धनुषमा देउवा पक्षको त..
असोज ०९ गते जनकपुरधाम - नेपाली कांग्रेसको १५औँ केन्द्रीय महाधिवेशनको तयारीअन्तर्गत धनुषा जिल्लामा पूर्वसभाप..
2 दिन पहिले
रूपान्तरणकारी राजनीतिक नेतृत्व तथा निर्वाचन तयारीसम्बà..
जनकपुरधाम असोज ८ गते । महिला राजनीतिक सहभागिता तथा नेतृत्व विकासलाई प्रवद्र्धन गर्ने उद्देश्यले सञ्चालित पाँच à¤..
3 दिन पहिले
गाण्डीवेश्वर स्थानमे सवा करोड़ पार्थिव महादेव पूजाक लेà¤..
जनकपुरधामआसिन ८ गते । सिमावर्ती विहार राज्यक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंडक शिवनगर स्थित प्रसिद्ध गाण्डीवेशà¥..
3 दिन पहिले
सार्वजनिक शिक्षा सुधारमा सहकार्य र जवाफदेहितामा जोड
जनकपुरधाम, असोज ७ गते । सार्वजनिक शिक्षालाई गुणस्तरीय, समावेशी, पारदर्शी र जवाफदेही बनाउन सरकार, विद्यालय, शिक्षक..
4 दिन पहिले
मधेशमै छपाई भयो स्मार्ट लाइसेन्स, मन्त्री थापाले गरिन हस..
जनकपुरधाम असोज ७ गते । मधेश प्रदेश सरकारले सवारी चालक अनुमतिपत्र (स्मार्ट लाइसेन्स) वितरण सुरु गरेको छ। श्रम तथा à¤..

स्वास्थ्य क्षेत्रका समस्या समाधान गर्न स्वास्थ्य सचिवल..
जनकपुरधाम भदौँ ३० गते । मधेस प्रदेशको स्वास्थ्य क्षेत्रमा देखिएका विकृति, लापरवाही, अनियमितता तथा सेवाग्राहीका à..
12 दिन पहिले
सीप विकास र रोजगारीलाई जोड्ने एकीकृत नीति आवश्यक ः मधेश à¤..
जनकपुरधाम भदौँ १६ गते । किशोर–किशोरी, युवा तथा उनीहरूका अभिभावकलाई सीप विकाससँग जोड्दै ‘काम गर्दै सिक्ने’ अ..
26 दिन पहिले
जलवायु परिवर्तन, कृषि, बसाइँसराइ र ग्रामीण जीविकोपार्जन..
जनकपुरधाम साउन १२ गते । जलवायु परिवर्तन, कृषि, बसाइँसराइ र ग्रामीण जीविकोपार्जनबीचको अन्तरसम्बन्धलाई नीतिगत तथà..
2 महीना पहिले