जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता कार्यशाला सम्पन्न
2 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
माघ ३ गते ।
लैंगिक न्यायपूर्ण समाज निर्माण करबाक लेल पत्रकार आ मिडियाक भूमिका मजबूत करबाक मुख्य उद्देश्यसँ जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता सम्बन्धी एकदिने कार्यशाला सम्पन्न भेल अछि। ई कार्यशालामे मधेस प्रदेशक धनुषा, महोत्तरी, पर्सा, बारा आ सर्लाही जिलासँ आएल ४२ गोट पत्रकारसभक सक्रिय सहभागिता रहल।
कार्यशालाक मुख्य उद्देश्य सञ्चार क्षेत्रमे लैंगिक रूपान्तरण पद्धतिके बढ़ावा देनाय, लैंगिक न्याय आ समावेशी रिपोर्टिङ लेल पत्रकारसभकेँ संवेदनशील बनेनाय, लैंगिक हिंसा पीड़ित आ प्रभावित केन्द्रित दृष्टिकोणकेँ प्रवर्द्धन करनाय रहल। एही संग महिला अधिकार, बाल अधिकार, अपांगता रहल व्यक्तिसभक अधिकार संरक्षण, लैंगिक हिंसाक विरोध आ अन्य हानिकारक सामाजिक मूल्य–मान्यता आ अभ्याससभक अन्त्य लेल सञ्चार क्षेत्रक भूमिका आ जवाफदेहिता बढ़ेबाक लक्ष्य राखल गेल।
सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रम बेलायत सरकारक आर्थिक सहयोग आ पिपुल इन नीड नेपालक नेतृत्वमे दिव्य विकास स्रोत केन्द्र, पर्सा पर्सा आ हामी दाजुभाइ संस्था मधेस प्रदेशमे लैंगिक विभेद आधारित हिंसाक रोकथाम आ प्रतिकार्य लेल विभिन्न समुदायस्तरीय गतिविधि चला रहल अछि। ई कार्यशाला ओहि कार्यक्रम अन्तर्गत नेपाल पत्रकार महासंघक जिल्लास्तरीय शाखासभक समन्वयमे आयोजित कएल गेल।
कार्यक्रमसँ सञ्चार जगत लैंगिक हिंसाक सवालमे न्याय केन्द्रित, संवेदनशील आ पीड़ित–प्रभावित केन्द्रित रिपोर्टिङ आ समाचार लेखन दिशामे अग्रसर होयत—एहन अपेक्षा कएल गेल। कार्यशालामे डिजिटल पत्रकारिता, गलत सूचना रोकथाम, गोपनीयता आ सुरक्षा सुनिश्चित करबाक प्रक्रिया, आ समुदायमे सकारात्मक परिवर्तन आनयमे मिडियाक भूमिकापर विस्तृत छलफल भेल।
कार्यक्रममे सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रमक पाँच मुख्य पैरवी सन्देशपर विशेष जोड़ देल गेल, जइमे—
छोरीकेँ महत्व देब, छोरीकेँ बोझ बुझबाक सोच बदलनाय; बाल विवाह देरी सँ करबाक आवश्यकता; “माया करयवाला कुटैत अछि” ई सोच गलत अछि—माया करयवाला कखनो हिंसा नहि करैत अछि; स्वस्थ सम्बन्धसँ परिवार खुशहाल बनैत अछि; हिंसाक रिपोर्ट करनाय जरूरी अछि, कारण रिपोर्ट करनाय दूसरकेँ हिंसासँ बचेनाय होइत अछि—जइहन सन्देश शामिल रहल।
कार्यशालाक सहजीकरण वरिष्ठ पत्रकार आरती चटौत कएलनि। मधेस प्रदेशमे कार्यरत पत्रकार लक्ष्मी चौधरी मधेसमे महिला अधिकार प्रवर्द्धनमे पत्रकारक भूमिका आ पत्रकारिताक आचारसंहिता विषयपर छलफल कएलनि। हामी दाजुभाइक कार्यक्रम प्रबन्धक सुमिक्षा खड्का कार्यक्रमक उद्देश्यपर प्रकाश पारलनि। पिपुल इन नीड नेपालक कार्यक्रम प्रबन्धक सुनिल कुमार साह सुरक्षा आ न्याय कार्यक्रमक विस्तृत जानकारी देलनि। समापन सत्रमे कार्यक्रम प्रबन्धक अनुरोध साह लैंगिक रूपान्तरण लेल पत्रकारक अपरिहार्य भूमिकापर जोड़ देलनि। कार्यक्रमक समापन हमी दाजुभाइक कार्यकारी निर्देशक संजोग ठकुरी कएलनि आ सहभागीसभकेँ लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता लेल शुभकामना देलनि।
ई कार्यशालासँ मिडियाकेँ महिला अधिकार, बाल अधिकार, अपांग व्यक्तिसभक अधिकार संरक्षण, लैंगिक हिंसाक विरोध आ हानिकारक सामाजिक अभ्याससभक उजागरमे जिम्मेवार, न्याय केन्द्रित आ समावेशी दृष्टिकोण अपनाबय लेल प्रेरणा भेटल अछि। कार्यशालापछि १० गोट पत्रकार लैंगिक समानता आ सामाजिक रूपान्तरण लेल फेलोसिप कार्यक्रममे काम करबाक अवसर पेताह।
विवादित सतलोक आश्रमक गतिविधिपर रोक
जनकपुरधाम, माघ ३ गते । धनुषाक मिथिला नगरपालिका–२ मे रहल सतलोक आश्रमक गतिविधिपर नगरपालिकाले रोक लगा देलक अछि..
2 घन्टा पहिले
विवादित सतलोक आश्रमक गतिविधिपर रोक
जनकपुरधाम, माघ ३ गते । धनुषाक मिथिला नगरपालिका–२ मे रहल सतलोक आश्रमक गतिविधिपर नगरपालिकाले रोक लगा देलक अछि..
2 घन्टा पहिले
अन्तर विद्यालय क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मदर टेरेसाके..
जनकपुरधाममाघ ३ गते । पाँचम अन्तर विद्यालय टी–२० क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मदर टेरेसा पब्लिक स्कुल जितलक अ..
2 घन्टा पहिले
जनकपुरमे लैंगिक न्यायमूलक पत्रकारिता कार्यशाला सम्पन्..
जनकपुरधाम माघ ३ गते । लैंगिक न्यायपूर्ण समाज निर्माण करबाक लेल पत्रकार आ मिडियाक भूमिका मजबूत करबाक मुख्य उद्..
2 घन्टा पहिले
विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालिममे सशस्त्र प्रहरी नाय..
जनकपुरधाम पुस २९ गते । सशस्त्र प्रहरी बल, नेपालक नायब निरीक्षक अजीत कुमार झा विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालि..
4 दिन पहिले
गोगलप्रसाद नमुना माविका नयाँ भवन उद्घाटन
जनकपुरधामपुस २६ गते । गोगल प्रसाद नमुना मा.वि. जनकपुरधाम –२४,बसहियामा नवनिर्मित दुईकोठे कक्षाकोठा भवनको शनिवा..
7 दिन पहिले
सहायता कक्षद्वारा २८ गोटे केँ आर्थिक सहयोग आ न्याय लेल प..
जनकपुरधाम पुस १६ गते । डिसीएद्वारा देल गेल आर्थिक सहयोग सँ अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्र (इन्सेक) मधेस प्रदेश म..
16 दिन पहिले
मधेश प्रदेशका जिल्ला स्वास्थ्य कार्यालयहरू तथा स्थानीय..
जनकपुरधाम पुस ११ गते । स्वास्थ्य निर्देशनालयका निर्देशक सरोजचन्द्र न्यौपानेको अध्यक्षतामा २०२५ डिसेम्बर २६ मा..
22 दिन पहिले
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
26 दिन पहिले
मधेसमे जलवायु संकटके प्रभाव आदिवासी आ अपाङ्ग समुदायपर अ..
जनकपुरधाम, ७ पुस ।मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर सबसँ बेसी दलित, आदिवासी–जनजाति आ अपाङ्गता भेल व्यक्ति..
26 दिन पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
1 महीना पहिले
ओरेक मधेश प्रदेशको अर्धवार्षिक प्रतिवेदन सार्वजनिक घरम..
जनकपुरधाम मंसिर २४ गते ।महिला पुनस्र्थापना केन्द्र ओरेक मधेश प्रदेशले महिला हिंसाको अर्धवार्षिक घटनाको तथ्..
1 महीना पहिले
गोगलप्रसाद नमुना माविका नयाँ भवन उद्घाटन
जनकपुरधामपुस २६ गते । गोगल प्रसाद नमुना मा.वि. जनकपुरधाम –२४,बसहियामा नवनिर्मित दुईकोठे कक्षाकोठा भवनको शनिवा..
विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालिममे सशस्त्र प्रहरी नाय..
जनकपुरधाम पुस २९ गते । सशस्त्र प्रहरी बल, नेपालक नायब निरीक्षक अजीत कुमार झा विपत्ति व्यवस्थापन सम्बन्धी तालि..
धनुषामेँ जमीन अतिक्रमण विवाद : झड़पमेँ ८ गोटे घायल, ७ सेल ..
जनकपुरधाम, पुस २६ गते । धनुषा जिलाक मिथिला नगरपालिका–२ सुकजोरस्थित सन्त रामपाल आश्रमक आगे झड़प भेल अछ..
मारवाडी युवा दिवसमा रक्तदान लगायत विविध कार्यक्रम गरिय..
जनकपुरधाम पुस २६ गते –जनकपुरको मारवाडी युवा मञ्चले मारवाडी युवा दिवस तीन दिनसम्म विविध कार्यक्रम गरी मनाएको छ ..