मुरलीसरके अतिक्रमण हटाब हुलाक मार्फत भेल गुठी कार्यालयमे निवेदन दर्ता
4 महीना पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम
साउन ११ ।
धार्मिक तथा साँस्कृतिक दृष्टिकोण सँ अत्यन्त महत्वपुर्ण जनकपुरधाम–४ स्थित मुरलीसरके अतिक्रमण हटाबऽ सोमदिन गुठी कार्यालय जनकपुरधाममे निवेदन दर्ता भेल अछि । स्थानीय चन्द्रमोहन चौरधी मुरलीसर पोखरिके मोहार, पोखरि तथा गुठी स्वामित्वक कि.नं. ९३ अन्तर्गत रहल माँ दुर्गा मन्दिर आ श्रीकृष्ण मन्दिरक भोगक जग्गा अतिक्रमणमुक्त कराबयक माग करैत आइ गुठी संस्थान शाखा कार्यालय, जनकपुरमे निवेदन दर्ता कराबय पहुँचल छलाह।
हुनकर आरोप अनुसार कार्यालय प्रमुख किशोरकुमार झा निवेदन दर्तामे आनाकानी केलनि । जाहिक बाद ओ धनुषास्थित जनकपुर हुलाक कार्यालयमार्फत अपन निवेदन गुठी शाखा कार्यालय जनकपुर पठौने छथि । संस्थानक प्रमुख झा अखन गुठी अपन प्रक्रीया अनुसार काज करहल कहैत अखन ओहि सन्दर्भमे निवेदन लक कोनो फायदा नहि हेतइ से कहैत निवेदन नइ लेने छलाह ।
चौरधीक अनुसार गुठी संस्थान शाखा जनकपुरद्वारा २०८३ साउन २–३ गते मुरलीसर पोखरि आ ओकर मोहार छुट्याबय लेल कयल गेल नापजाँच त्रुटिपूर्ण छल । हुनकर दावी अछि जे गुठीक स्वयं २०६२ चैत ६ गतेक नापजाँच प्रतिवेदनक आधार पर मुरलीसर पोखरि, पोखरिक डिल(भीर) तथा गुठीक जग्गा(जमिन) अतिक्रमणमुक्त होयबाक चाही।
निवेदनमे उल्लेख कयल गेल अछि जे तत्कालीन गुठियार मिथिलेश मिश्रद्वारा २०४४ सालक नापीक क्रममे कि.नं. ९३ अन्तर्गत रहल माँ दुर्गा मन्दिर आ श्रीकृष्ण मन्दिरक जग्गाक अवस्थिति परिवर्तन कयल गेल ।
हुनकर आरोप अछि जे मूल रूपसँ पोखरिक दक्षिण भागमे रहल मन्दिरक जग्गाके नापजाँचमार्फत उत्तर दिशामे धकेलल गेल तथा मन्दिरक आगाँ अपन माता अन्नपूर्णा मिश्रक नाममे जग्गा दर्ता कय बेचबिखन कयल गेल । चौधरी कहलनि जे यदि अदालतद्वारा कायम ५४ फिट सड़क, मुरलीसर पोखरिक सीमा तथा कि.नं. ९३ अन्तर्गत मन्दिरक जग्गाके आधार मानल जाए तँ मन्दिरक आगाँ कोनो निजी जग्गा रहबाक प्रश्ने नहि उठैत अछि ।
ओ आर्थिक चलखेलक आशंका व्यक्त करैत कहलनि जे गुठी शाखा प्रमुखसँ २०८३ साउन ४ गते भेल छलफल आ आइ कार्यालयमे भेटल व्यवहारसँ हुनका एहन अनुभूति भेल।
निवेदनमे गुठी संस्थानसँ मुरलीसर पोखरि, पोखरिक डिल, पनिहाव तथा कि.नं. ९३ अन्तर्गत दुर्गा मन्दिर आ श्रीकृष्ण मन्दिरक भोगक सार्वजनिक गुठी जग्गाक पुनः नापजाँच, सीमाङ्कन तथा अतिक्रमण हटाबि संरक्षणक व्यवस्था करबाक माग कयल गेल अछि।
निवेदक आवश्यक प्रमाणस्वरूप गुठीक पत्र, जग्गाधनी प्रमाणपत्र, अदालतद्वारा भेल नाप–नक्सा तथा फैसला सहितक कागजात सेहो संलग्न कयने छथि।
जनकपुरमा अपाङ्गता भएका व्यक्तिका लागि डिजिटल पहुँचयुक्..
जनकपुरधाम कार्तिक १६ गते । अपाङ्गता भएका व्यक्तिहरूको डिजिटल पहुँच अभिवृद्धि गर्ने उद्देश्यले जनकपुरमा आयोजित ..
11 दिन पहिले
जनकपुरमा अपाङ्गता भएका व्यक्तिका लागि डिजिटल पहुँचयुक्..
जनकपुरधाम कार्तिक १६ गते । अपाङ्गता भएका व्यक्तिहरूको डिजिटल पहुँच अभिवृद्धि गर्ने उद्देश्यले जनकपुरमा आयोजित ..
11 दिन पहिले
धनुषामा २०० केजी प्रतिबन्धित गाँजा बरामद, तीन वटा साइकल à¤..
जनकपुरधाम कात्तिक १६। सशस्त्र प्रहरी बल, नेपालले धनुषा जिल्लाबाट ठूलो परिमाणमा प्रतिबन्धित गाँजा बरामद गरेको छà¥..
11 दिन पहिले
राजर्षि इन्स्टिच्युटमा बीबीए २०८३ ब्याचका विद्यार्थीलà..
जनकपुरधाम कार्तिक १४ गते । जनकपुरधाम–४ स्थित राजर्षि इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट एण्ड टेक्नोलोजीले बीबीए २०..
13 दिन पहिले
सुरक्षित आवासका लागि वित्तीय पहुँच विस्तार गर्न तीनै तहà..
जनकपुरधाम, कात्तिक १३ । न्यून आय भएका तथा वित्तीय सेवाको पहुँचबाट वञ्चित परिवारलाई सुरक्षित र किफायती आवासको व्य..
14 दिन पहिले
सार्वजनिक अभिव्यक्तिबारे निलम्बित सभापति लक्ष्मेश्वर à..
जनकपुरधाम कार्तिक १० गते । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) मधेश प्रदेश समितिले धनुषाका निलम्बित जिल्ला सभाà..
17 दिन पहिले
लाखौँ युवाको प्रेरणाका रूपमा परिचित मनोहर झाको नाम मेयरà..
लाखौँ युवाको प्रेरणाका रूपमा परिचित मनोहर झाको नाम मेयरको सम्भावित उम्मेदवारका रूपमा चर्चामा लोकसेवा तयारीमा à¤..
17 दिन पहिले
जनकपुरधामको सस्ता बजारमा संयुक्त अनुगमन, अखाद्य रङ प्रयà..
जनकपुरधाम, २८ असोज। जनकपुरधामको ऐतिहासिक राम मन्दिर क्षेत्रमा सञ्चालन भइरहेको सस्ता बजारमा बुधबार विभिन्न सà..
1 महीना पहिले
नगराइनमा नौ पसल तथा खाद्य उद्योगमा अनुगमन म्याद गुज्रिएà..
जनकपुरधाम असोज २७ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिकामा खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय जनकपुरधामको नेतृत्..
1 महीना पहिले
पर्व लक्षित काम गर्न नगराईनका मेयर तथा वडाध्यक्षलाई ज्ञà..
जनकपुरधाम असोज १५ गते । नेपालीहरूको महान् पर्व दसैँ, दीपावली तथा छठ पर्व नजिकिँदै गर्दा नगर क्षेत्रको सरसफाइ, सडक ..
1 महीना पहिले
नगराइन–२ जटहीको पोखरी निर्माणमा गुणस्तरहीन सामग्री प्र..
जनकपुरधाम असोज १५ गते । धनुषाको नगराइन नगरपालिका–२ जटहीमा सञ्चालित पोखरीको घाट निर्माण कार्यमा गुणस्तरहीन इँà¤..
1 महीना पहिले
धनुषाक भेनियर उद्योगसँ ६७५ क्यूफिट काठ बरामद
ढल्केबर आसिन ६ गते । डिभिजन वन कार्यालय धनुषा मिथिला नगरपालिका–२ स्थित एक भेनियर उद्योगमे छापा मारि भारी परिमाà¤..
2 महीना पहिले