मधेसमे जलवायु संकटके प्रभाव आदिवासी आ अपाङ्ग समुदायपर अत्यधिक
2 घन्टा पहिले प्रकाशित
Smrititimes
जनकपुरधाम, ७ पुस ।
मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर सबसँ बेसी दलित, आदिवासी–जनजाति आ अपाङ्गता भेल व्यक्तिसभपर परैत अछि, ई दाबी कएल गेल अछि ।
जनकपुरधाममे सोमदिन मधेसी आदिवासी जनजाति अपाङ्ग महिला संघ नेपाल आ अपाङ्ग समाज जनकपुरके आयोजनामे तथा इन्सेक आ कायापलटके सहकार्यसँ आयोजित कार्यक्रममे “मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर आदिवासी आ अपाङ्गता भेल व्यक्तिसभ” विषयपर भेल अन्तरक्रिया कार्यक्रममे सहभागी वक्तासभ कहलनि जे बढ़ैत तापक्रम, अनियमित वर्षा, बाढÞि, डुबान आ खडेरी जेकाँ समस्यासँ जनजीवन प्रभावित होइत जा रहल अछि आ एकर सबसँ पैघ मार सामाजिक रूपसँ पछाडि पारल गेल समुदायपर परैत अछि ।
अन्तरक्रियामे प्रस्तुत प्रतिवेदन अनुसार नेपालमे कुल जनसंख्याके २.२ प्रतिशत अर्थात् करीब साढ़े छह लाख व्यक्ति कोनो ने कोनो प्रकारके अपाङ्गतासँ जीवन बिताइ रहल छथि । अपाङ्गता समावेशीकरण सम्बन्धी विज्ञ कृष्ण गहतराज कहलनि जे अपाङ्गता भेल व्यक्तिप्रति एखनहुँ सामाजिक, सांस्कृतिक आ मूल्य–मान्यताविरुद्ध व्यवहार होइत रहल अछि । हुनकर अनुसार विश्वभरमे करीब आठ अर्ब अपाङ्गता भेल व्यक्ति विभिन्न रूपमे राज्य, समाज आ जलवायु परिवर्तनके असर सँ उत्पीडित छथि । राज्य एखनधरि हुनकर लेल लक्षित स्पष्ट नीति आ कार्यक्रम नहि लाने के आरोप सेहो हुनकर द्वारा लगाओल गेल ।
प्रतिवेदनमे कहल गेल अछि जे मधेस प्रदेशके पैघ जनसंख्या कृषि आ प्राकृतिक स्रोतपर निर्भर अछि, मुदा पछिल्ला वर्षसभमे मौसमके ढाँचा असन्तुलित भेला सँ बाली उत्पादन घटल अछि, पानीके स्रोत सुखैत जा रहल अछि आ जीविकोपार्जन संकटमे परैत जा रहल अछि । एकर प्रत्यक्ष असर परम्परागत रूपसँ खेतीपाती आ प्राकृतिक स्रोतपर आधारित जीवनयापन करैत आएल आदिवासी समुदायपर पड़ल अछि ।
जलवायुजन्य विपद्के समय अपाङ्गता भेल व्यक्ति दोहोरो जोखिममे पड़ैत छथि, ई सेहो प्रतिवेदनमे औंल्याओल गेल अछि । बाढÞि, डुबान अथवा अत्यधिक गर्मीके समय सुरक्षित स्थानधरि पहुँचल कठिन होनाइ, चेतावनी सूचना पहुँचयोग्य नहि होनाइ तथा आपतकालीन पूर्वाधार अपाङ्गमैत्री नहि होनाइ सँ ओ सभ आरो असुरक्षित भ’ जाइत छथि ।
अन्तरक्रिया कार्यक्रममे मधेस प्रदेश सरकार अन्तर्गत खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्रालयकी सामाजिक शाखा प्रमुख निर्मला मिश्र राजनीतिक अस्थिरताके कारण काजकाज प्रभावित होइत रहल अछि कहलनि आ अपन तरफसँ सम्भव विषय मन्त्रालयमे उठाके नीति आ कार्यक्रम निर्माणमे पहल करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि ।
एही तरह मन्त्रालयके खेलकुद तथा युवा शाखा प्रमुख पर्शुराम कार्की वन–जंगल आ नदी–नालाके छेउछाउ बसैत समुदाय लेल जलवायु परिवर्तन सम्बन्धी पूर्वसूचना आ व्यवस्थापन करब राज्यके दायित्व अछि कहलनि ।
मिडिया काउन्सिलके पूर्व अध्यक्ष कैलास दास मधेस प्रदेशमे अपाङ्गता भेल व्यक्ति आ आदिवासी–जनजातिके यथार्थ तथ्यांक नहि होनाइ दुःखद विषय अछि कहलनि । जलवायु परिवर्तनके मध्यनजर करैत एहन समुदाय लेल छुट्टै नीति, कार्यक्रम आ बजेट सुनिश्चित करबाक आवश्यकता पर जोर देलनि ।
अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्रके प्रदेश संयोजक राजु पासमान जलवायु परिवर्तनके असर अपाङ्गता भेल व्यक्ति आ आदिवासी समुदायपर प्रत्यक्ष रूपसँ परैत अछि कहलनि आ एकर सामना करबाक लेल संघ, प्रदेश आ स्थानीय तहके सरकारसभके साझा जिम्मेवारी लेबाक आवश्यकता बतौलनि ।
अपाङ्ग समाज जनकपुरक अध्यक्ष शत्रुधनलाल कर्णके अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे राष्ट्रिय अपाङ्ग महासंघ मधेश प्रदेशक अध्यक्ष किरण पासमान ,महिला अधिकारकर्मी जमुना भुजेल, कोक्यापके अर्जुन साह, कायापलटके दिवाकर उप्रेति लगायत अन्य वक्तासभ अपन–अपन धारणा राखलनि ।
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
1 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
1 घन्टा पहिले
खान–पानमे सुधार आ नियमित व्यायाम सँ नसैला रोग सँ बचाव सं..
जनकपुरधाम, पुस ७ । नेपालमे होबबला मृत्युके ७१ प्रतिसत बिना सरुवा रोग (नन–कम्युनिकेबल डिजिज) सँ भरहल यृ नमहर सम..
2 घन्टा पहिले
मधेसमे जलवायु संकटके प्रभाव आदिवासी आ अपाङ्ग समुदायपर अ..
जनकपुरधाम, ७ पुस ।मधेस प्रदेशमे जलवायु परिवर्तनके असर सबसँ बेसी दलित, आदिवासी–जनजाति आ अपाङ्गता भेल व्यक्ति..
2 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
5 दिन पहिले
ई रिक्सा संचालनका विषयमा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाले जा..
जनकपुरधाम पुस २ गते । विगत केहि दिनदेखि जारी ई–रिक्सा चालकहरुको गतिरोधको सम्बन्धमा बुधबार जनकपुरधाम उपमहानगर..
5 दिन पहिले
मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख यादवद्वारा पदभार ग्र..
जनकपुरधाम पुस ७ गते ः मधेश प्रदेश सभाक नवनियुक्त सभामुख राम अशिष यादव पदभार ग्रहण केलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित प्र..
1 घन्टा पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक विश्वास मत पुस ४ गते आ सभामुख..
जनकपुरधामपुस २ गते । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव पुस ४ गते प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेताह । एहि ..
5 दिन पहिले
ओरेक मधेश प्रदेशको अर्धवार्षिक प्रतिवेदन सार्वजनिक घरम..
जनकपुरधाम मंसिर २४ गते ।महिला पुनस्र्थापना केन्द्र ओरेक मधेश प्रदेशले महिला हिंसाको अर्धवार्षिक घटनाको तथ्..
12 दिन पहिले
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री यादवक द्वारा पद सँ इस्तीफा
अगहन १७ गते जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव मुख्यमन्त्री पद सँ इस्तीफा दऽ देलथि । मधेश प..
19 दिन पहिले
स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके तीन दिनमा वार्षिक समिक्षा..
ज्नकपुरधाम अगहन ५ गते । स्वास्थ्य निर्देशनालय सपहीके आर्थिक वर्ष २०८१ –८२ मे सम्पादित स्वास्थ्य कार्यक्रमके प..
1 महीना पहिले
मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डल पदमुक्त
मंसिर ३, २०८२जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशका सभामुख रामचन्द्र मण्डलको विरुद्धमा सात दलका ६४ जना प्रदेश सभाका सदस्यहरु..